नाली फेर बनत नाला, शहर होएत जल जमाव मुक्त
दरभंगा : आखिरकार दरभंगा क चिंता सामूहिक रूप स देखबा लेल भेटल। जनप्रतिनिधि आ अधिकारी दरभंगा लेल एक ठाम बैसार केलथि आ शहर क 30 साल पुरान समस्या क निराकरण करबाक संकल्प लेलथि। इसमाद क मुहिम क असर त नहि कहब मुदा इ बैसार मुहिम क जीत जरूर कहल जा सकैत अछि। विधायक संजय सरावगी क मेहनत आ सांसद कीर्ति आजाद क इच्छा क बाद आखिरकार सोमदिन प्रमंडलीय मुख्यालय कए जलजमाव क समस्या स मुक्ति दियेबा लेल आयुक्त वंदना किनी क अध्यक्षता मे महत्वपूर्ण बैसार भेल। एहि बैसार मे जनप्रतिनिधि आ पदाधिकारी जलनिकासी लेल अल्प आ दीर्घकालीन योजना बनेबा लेल तैयार भेलथि। प्रथम चरण मे शहर क बंद पड़ल आ अतिक्रमित नाला क नापी ओकर उड़ाही आ नव नाला क निर्माण आओर दीर्घकालीन योजना क तहत मास्टर प्लान बनेबाक निर्णय लेल गेल।
करीब तीन घंटा तक चलल मैराथन बैसार मे सांसद कीर्ति आजाद, नगर विधायक संजय सरावगी, मेयर गौरी पासवान, जिला परिषद अध्यक्ष हरि सहनी, समस्तीपुर रेल मंडल क डीआरएम अरुण मलिक, डीएम कुमार रवि, डीडीसी सह प्रभारी नगर आयुक्त एचवाई रिजवी आदि अपन-अपन विचार रखलथि। डीआरएम रेलवे क हित कए रखैत शहर कए जलजमाव स मुक्ति दियेबा लेल हर संभव सहयोग क आश्वासन देलथि।
बैसार मे विधायक संजय सरावगी क एहि सुझाव कए स्वीकार क लेल गेल जे मनरेगा योजना क तहत बंद आ अतिक्रमित नाला क उड़ाही आ नव नाला क निर्माण कैल जाएत। प्रथम चरण मे कंगवा गुमटी स गोसाघाट तक बंद पड़ल नहर क उड़ाही, डीएमसीएच स छपरारघाट तक बंद पड़ नाला क सफाई, लहेरियासराय चट्टी चौक स कमलामंडप तक नाला क उड़ाही, रेलवे क सहमति पर दोनार गुमटी स लाइन क कात-कात नाला क निर्माण, दोनार स धोई घाट पुल तक पक्का नाला निर्माण, दोनार पेट्रोल पंप लग बंद पड़ल नाला क उड़ाही, सैदनगर स बागमती नदी तक बंद पड़ल नाला क सफाई, बागमती नदी लग स्लूईस गेट क निर्माण आदि क निर्णय लेल गेल। आयुक्त बंद पड़ल नाला कए अतिक्रमणमुक्त करेबाक निर्देश एडीएम आ सदर एसडीओ कए देलथि अछि। बैसार मे इ गप सेहो उठल जे डीएमसीएच स छपरारघाट तक गेल नाला क निर्माण कार्य रसूलपुर पंचायत मे जमीन मालिक कए मुआवजा नहि भेटलाक कारण स रुकल अछि। आयुक्त जिला पदाधिकारी कुमार रवि कए मुआवजा क दिशा मे कार्रवाई करबा लेल कहलथि। डीआरएम अरुण मलिक बैसार मे कहला जे नाला निर्माण क मार्ग प्रशस्त करबा लेल 17 अप्रैल कए रेलवे क अभियंता ट्राली स रेलवे लाइन क निरीक्षण करताह।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa