• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जानकी नवमी पर जनकपुर मे विस्‍फोट

April 30, 2012
in चित्रालय
A A

दोसरसमाचार

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013


रमानंद चौक पर भेल विस्‍फोट
अभिनेत्री रंजना झा समेत चारि गोटेक गेल जान
मिथिला राज्यक लेल चलि रहल छल धरना
भारत-नेपाल सीमा सील, छापामारी जारी
जनतांत्रिक तराई मुक्ति मोर्चा लेलक जिम्‍मेदारी

जनकपुर/ दरभंगा। उत्‍साह आ उमंग स जानकी नवमी मनेबाक मनोरथ रखले रही गेल। जनकपुर क आंखि आइ मैथिली क शहादत पर नोरायल रहल। मिथिलाक राजधानी जनकपुर मे सीता नवमी क भोर भेल एकटा भीषण बम विस्‍फोट मे चारि गोटे क मौत भ गेल, जखन कि 30 गोटे स बेसी घायल भ गेलथि जाहि मे 14 गोटेक हालत नाजुक बनल अछि। जानकारीक अनुसार जनकपुर क रामानंद चौक पर बम विस्फोट भेल। ओहि ठाम मिथिला राज्य संघर्ष समिति क कार्यकर्ता अलग मिथिला राज्य क मांग क समर्थन मे धरना द रहल छलथि। बम धरनास्थल लग ठार मोटरसाइकिल मे राखल गेल छल। ओना इ पता नहि चलल अछि जे बम के रखने छल, मुदा पुलिस एकटा युवक स पूछताछ क रहल अछि। स्‍थानीय मीडिया स आबि रहल सूचना क अनुसार एहि विस्फोट लेल जनतांत्रिक तराई मुक्ति मोर्चा नामक संगठन जिम्‍मेदारी ल लेलक अछि। पुलिस लेल इ एकटा अनजान संगठन अछि। प्राप्त सूचनाक अनुसार किछु घायल कए इलाज लेल विमान स काठमांडू पठाउल गेल अछि। एहि बीच नेपाल-भारत सीमा सील क देल गेल अछि।
अधिकारी क कहब अछि जे इ विस्‍फोट धनुषा जिला क जनकपुर नगरपालिका क रामानंद चौक पर भेल। इ विस्फोट मिथिला कार्यकर्ता क धरना कए निशाना बना कए कैल गेल छल। इ कार्यकर्ता सब नेपाल क नव संविधान मे पृथक मिथिला राज्य क गठन क प्रावधान करबाक मांग क रहल छथि। एहि विस्फोट मे मैथिली फिल्‍म अभिनेत्री रंजना झा सहित तीन गोटे क मौका पर मौत भ गेल जखनकि एक अन्य उपचार क दौरान दम तोडि देलथि। रंजना क मौत क खबरि आगि जेकां मिथिला मे आइ भरि दिन धधकैत रहल। जिनगी भरि मैथिली क सेवा मे लागल रंजू आइ मिथिला क अस्तित्व लेल सीता जेकां पृथ्वी मे समा गेलीह। फिल्‍म मुखियाजी क अभिनय लेल हुनका समस्‍त मिथिला क आशीष भेटल छल। काठमांडू मे अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मलेन आ दिल्ली मे मिनाप क नाटक “ओ खाली मुँह देखैत छै” क मंचन मे सेहो हुनक सहभागिता उल्‍लेखनीय रहल अछि। हुनकर शहादत स मैथिली कला क्षेत्र आ मिथिला-मैथिली आन्दोलन कए बड आघात पहुंचल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

वाह रे तोहर भाग्य, वाह रे हम्मर भाग्य

August 14, 2013

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

May 18, 2013
Next Post
Esamaad Epaper Website

मोतिहारी मे केविवि क विरोध छोटगर राजनीति : शाहनवाज

की विलुप्त भ जाएत "मैथिली"

Esamaad Epaper Website

दक्षिण कए चुनौती द रहल बीमारू राज्‍य क अगुआ रहल बिहार

Comments 7

  1. Dr Akhilesh Jha says:
    13 years ago

    Ahi samachar me kahal je madhesi rajya galat aich ohi dharna me Mithila rajyak demand rahe.Ekra kripya sudharal jai.

    Reply
    • abhinav says:
      13 years ago

      Mithila’s liberation can only be achieved through Maoism. I am a maithil and therefore, a Maoist. Long live Chairman Mao!Jay Mithila!

      Reply
  2. abhinav says:
    13 years ago

    Mithila’s liberation can only be achieved through Maoism. I am a maithil and therefore, a Maoist. Long live Chairman Mao!Jay Mithila!

    Reply
  3. atuleshwar jha says:
    13 years ago

    एकटा दुखद समाचार , मात्र बम बिस्फोट किछु गोटाक छाती नहि छलनि भेल ई तँ मैथिल पर प्रहार थिक आ मैथिलकेँ एकर जवाब दिअ अबैत छैक। सीताक धरती पुत्र छलीह आ रंजु सेहो सीता जेकाँ धरती मे समा गेलीह हुनक आत्माकेँ शान्ति दैत हुनक एहि शहादकक मू्ल्य निश्चित मिथिलावासी देत ई हुनका प्रति श्रद्धांजलि।

    Reply
  4. Arun Kumar Singh says:
    13 years ago

    मिथिला राज्यलेल देल गेल शहादत सम्पूर्ण मिथिला समाज सभ दिन यादि राखि प्रेरणा लेत रहत।
    जय मिथिला

    Reply
  5. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    Shahadat prapt kenihaar sabh ke shradhanjali. Jahi udesya ke vaaste e lokani apan jaan nyochhawar kelani se nischit pura hetainha, se asha achhi.

    Reply
  6. DR S C JHA says:
    13 years ago

    ehan jaghanya apradh ta nepal mein aab aam bha gel achhi..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि