औरंगाबाद । बिहार क बिजली समस्या क निराकरण आब धीरे-धीरे देखा रहल अछि। औरंगाबाद जिला क नवीनगर लग स्थापित भ रहल भारतीय रेल बिजली कंपनी क थर्मल पावर परियोजना क पहिल इकाई स जून 2014 स बिजली उत्पादन प्रारंभ भ जाएत। भारतीय रेल बिजली कंपनी क मुख्य कार्यकारी अधिकारी केके सिंह परियोजना क तेसर इकाई क वाँयलर ड्रम संस्थापन क बाद आयोजित समारोह मेकहला जे परियोजना क निर्माण मे लागल सबटा कंपनी कए तेजी स काज पूरा करबाक निर्देश देल गेल अछि। परियोजना क पहिल इकाई स 250 मेगावाट बिजली उत्पादन अगिला साल जून स शुरू भ जाएत। जखनकि अन्य तीनटा इकाई स छह-छह माह क अंतराल पर बिजली उत्पादन शुरू करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। श्री सिंह कहला जे एहि परियोजना मे कुल चारिटा इकाई स्थापित कैल जा रहल अछि आ प्रत्येक इकाई स 250 मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत। ओ कहला जे एहि परियोजना स रेलवे आ बिहार दूनू कए पर्याप्त बिजली भेटत। संगहि एहि परियोजना क माध्यम स आसपास क इलाका कए सेहो विकास होएत आ स्थानीय लोक कए प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष रूप स रोजगार भेटत। परियोजना स्थल पर 133 मीट्रिक टन स बेसी भार क ब्वायलर ड्रम क आइ 59 मीटर क उंचाई पर सफलतापूर्वक संस्थापन कैल गेल। एहि अवसर पर जीलियन इन्प्रा प्राइवेट लिमिटेड क महाप्रबंधक एचसी वर्मा भेल क परियोजना प्रबंधक अरविंद दास आ जदयू क वरिष्ठ नेता संजीव कुमार सिंह उपस्थित छलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa