दिल्ली। 15 साल स जारी एकटा परंपरा कए बिहार आखिरकार तोडबा मे सफल रहल। एहि साल बिहार क लोक विदेश जेबा मे अन्य राज्यक लोक कए पाछु छोडि देलथि। एखन धरि काज करबा लेल विदेश जेनिहार सबस बेसी लोक केरल आ तमिलनाडु स होइत छल, मुदा एहि मामला मे बिहार आब तमिलनाडू से आगू भ गेल अछि। 15 साल स चलल आबि रहल एहि ट्रेंड कए उत्तर प्रदेश आ बिहारी बदलि देलथि अछि। प्रवासी मामला क मंत्रालय क अनुसार, 2011 मे ईसीआर (इमिग्रेशन चेक रिक्वायर्ड) पासपोर्ट क जरिये विदेश जेनिहार सबस बेसी लोक उत्तर प्रदेश आ बिहार राज्य स छथि। ईसीआर असल मे ओहि लोक कए जारी कैल जाइत अछि जे प्रोफेशनल नहि छथि या कम पढ़ल-लिखल छथि आ कामकाज तकबा लेल खाड़ी देश जाइत छथि। मंत्रालय क एकटा अधिकारी क अनुसार, इ आंकडा दक्षिणी राज्यक बदलैत हालात कए देखा रहल अछि। एहन लागि रहल अछि जेना तमिलनाडु आ केरल क लोक कए बिहारी आब विदेश मे सेहो टक्कर द रहल छथि आ हुनक मांग बढि रहल अछि। दोसर दिस बिहार क लोक कए विदेश क नौकरी लुभा रहल अछि। एहि स राज्य मे विदेशी मुद्रा क प्रवाह सेहो बढल अछि।
विदेश जेबा लेल देल गेल एप्लीकेशन
राज्य 2006 2011
यूपी 66,131 1,55,301
बिहार 36,493 71,438
तमिलनाडु 1,55,631 68,732
केरल 1,20,083 86,783
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
ee kono neek suchnaa nahi j emazdoor chhot-mot kaaj lel videsh jaa rahl chhathi