पटना : राज्य क ट्रांसमिशन लाइन क निर्माण आ रखरखाव लेल संयुक्त उपक्रम 29 दिसंबर कए बनि गेल। राजगीर मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क उपस्थिति मे बिहार स्टेट पावर ट्रांसमिशन कंपनी लिमिटेड आ पावर ग्रिड कारपोरेशन आफ इंडिया लिमिटेड क बीच एकरनामा भेल। एहि मौका पर ऊर्जा मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव, पावर ग्रिड क सीएमडी आरएन नायक, ऊर्जा विभाग क प्रधान सचिव संदीप पौंड्रिक, बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी क सीएमडी पीके राय, बिहार स्टेट पावर संचरण कंपनी क एमडी टीटी झा सहित वरीय अधिकारी मौजूद छलाह।
बिहार स्टेट पावर ट्रांसमिशन कंपनी लिमिटेड आ पावर ग्रिड कारपोरेशन आफ इंडिया लिमिटेड मिल कए संयुक्त उपक्रम चलाउत। एकरनामा 25 वर्ष लेल भेल अछि। नव संचरण लाइन क निर्माण, पुरान क रखरखाव आ ग्रिड क देखरेख सहित सबटा कार्य संयुक्त रूप स होएत। प्रथम पांच वर्ष मे ट्रांसमिशन कए मजबूत बनेबा लेल 6300 करोड़ टका खर्च करबा क योजना बनल अछि। संयुक्त उपक्रम कंपनी क जिम्मा ग्रिड तक बिजली आपूर्ति व्यवस्था क जिम्मेदारी रहत। कंपनी आ पावर ग्रिड क 50-50 प्रतिशत हिस्सेदारी राखल अछि।
संयुक्त उपक्रम बनला स कंपनी क अभियंता मे सब तमसायल छथि। जखन कि पावर ग्रिड क अभियंता मे खुशी क माहौल कायम अछि। कंपनी क अभियंता क अनुसार पावर ग्रिड शुरू स एकाधिकार जमेबा मे लागल अछि। जनवरी 2013 स ट्रांसमिशन ज्वाइंट वेंचर काज करै लागत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर