• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ठेकेदारी करब सांसद क काज नहि : शाहनवाज

December 23, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

भागलपुर। भागलपुर क सांसद सह भाजपा क राष्ट्रीय प्रवक्ता सैयद शाहनवाज हुसैन कहला अछि जे ठेकेदारी करब सांसद क काज नहि अछि। सरकार स टका आनब आ क्षेत्रक गप सरकार त पहुंचायब हमर काज छी जे हम क रहल छी।
मो हुसैन कहला जे सांसद क रूप मे हमर जेतबा काज छल हम केलहुं अछि, आ एकर श्रेय हमरा देबा लेल किछु लोक तैयार नहि छथि, ओ देरी क आधार पर एकर श्रेय अपन नाम करबा लेल धरना द रहल छथि। मुदा हम अपन दायित्‍व बुझैत छी। सड़क निर्माण कार्य मे विलंब लेल हम पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव स गप करब। हमर काज टेंडर करेबाक छल। पहिने टेंडर भेल, मुदा काज नहि शुरू भ सकल। ठेकेदार नहि भेटल। ओ आक्रोश व्यक्त करैत कहला जे सांसद आब एहि लेल ठेकेदारी त नहि करत। ठेकेदार ताकब हमर नहि इंजीनियर क काज अछि। मो हुसैन कहला जे जन समस्या लेल आंदोलन हेबाक चाही मुदा टेंडर भेलाक बाद आंदोलन अनुचित अछि। एहि प्रकार स लोक क ऊर्जा क गलत उपयोग होइत अछि। एहि स ककरो फायदा नहि होएत। ओ कहला जे एनएच 80 क निर्माण लेल हम इंजीनियर आ ठेकेदार सब स गप केलहुं अछि। निर्माण कार्य पटरी पर आबि गेल अछि।
पत्रकार संग गप करैत ओ कहला जे अहां सब निश्चिंत रहू जा धरि एनएच 80 क गड्ढा नहि भरल जाएत हम दिल्‍ली नहि जा रहल छी। सांसद कहला जे अगर विकास कार्य मे कोनो प्रकार क बाधा देखाइत अछि त किछु लोक सीधा सांसद कए गरिया दैत अछि, मुदा जखन कोनो काज मंजूर होइत अछि त किछु लोक बिना कोनो तुक कए श्रेय लेबा लेल धरना आयोजित क अपन श्रेय लेल प्रयासरत भ जाइत छथि। इ नीक गप नहि।
ओ कहला जे विकास हुनक प्राथमिकी सूची मे हरदम रहल अछि। रेलवे स्टेशन स बाबूपुर मोड़ लेल 12 करोड़ सात लाख 24 हजार टका क प्राक्लन पास भेल अछि। आब इ काज शुरू भ जाएत।
सांसद कहला जे 232 करोड़ 44 लाख क लागत स बायपास निर्माण कार्य करेबाक अछि, प्रक्रिया चलि रहल अछि। आब केवल मंत्री क सहमति क बाट ताकल जा रहल अछि। बिहपुर स फुलौत क बीच (एनएच 106) क निर्माण कार्य जारी अछि। नदी मे डीप बोरिंग लेल राजस्थान क (कंपनी) आइआइटी रुढ.की नदी मे डीप बोरिंग क काज क रहल अछि। पाइलिंग भेलाक बाद काज कए गति भेटत। मो हुसैन कहला जे इ हमरा सब लेल पैघ उपलब्धि होएत। ओ उदास भ मे कहला जे जखन काज भ रहल अछि तखन केवल देरी क नाम पर हमर आलोचना आ आंदोलन नहि हेबाक चाही। सांसद कहला जे किछु काज क गति कम अछि आ एकर चिंता हुनको अछि। ओ कहला जे चंपा नदी पर पुल निर्माण क काज बहुत धीमा गति स भ रहल अछि। इ काज युद्ध स्तर पर हेबाक चाहैत छल।
मो हुसैन कहला जे ओ भागलपुर क विकास लेल सब मोरचा पर प्रयास क रहल छथि। एकर प्रमाण अछि जे आब डीआरएम कार्यालय भागलपुर मे बनत। रेल मंत्री पवन बंसल एकरा पर सहमति द देलथि अछि। सांसद मो हुसैन कहला जे डीआरएम कार्यालय पर ओ दू बेर मंत्री स भेंट केलथि आ रेलवे बोर्ड संग बैसार केलथि। जीएम आ डीआरएम सन अधिकारी कए एहि संबंध मे कहल जा चुकल अछि। रेल बजट मे इ सपना साकार होएत। ओ कहला जे तत्कालीन रेल मंत्री ममता बनर्जी कहने छलीह जे अगर शाहनवाज जमीन उपलब्ध करा दथि त भागलपुर मे डीआरएम कार्यालय बनत। हम पूर्व मे तत्कालीन डीआरएम एमके माथुर कए जगदीशपुर मे 80 एकड़ जमीन देखा देने रही। रेलवे क जमीन कचहरी, बरारी, सुल्तानगंज आदि जगह पर सेहो अछि। ओ कहला जे इच्छा शक्ति क बिना कोनो काज संपन्न नहि भ सकैत अछि। डीआरएम कार्यालय एकटा सपना छल जे पूरा भ रहल अछि।
भागलपुर एयरपोर्ट क संबंध मे सांसद कहला जे हवाई पट्टी निर्माण आ एप्रोच पथ क निर्माण काज लेल एक करोड़ 33 लाख टका मंजूर कैल गेल अछि। एकरा लेल 50 लाख टका क आवंटन सेहो भ चुकल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मेगा साइंस फेयर लेल डा कलाम पहुंचलाह दरभंगा

Esamaad Epaper Website

बिहार क विकास मे भागीदार बनू : कलाम

नीति निर्धारण मे वैज्ञानिक परामर्श जरूरी : कलाम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि