पटना । नीतीश कुमार ठेकेदारी मे आरक्षण द जीतनराम माझी कैबिनेट क एक आओर फैसला कए लागू क देलथि अछि । मंगलदिन भेल राज्य कैबिनेट क बैसार मे कुल 25टा एजेंड पर निर्णय लेल गेल। बैसार क उपरांत मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग क प्रधान सचिव शिशिर सिन्हा कहला जे बिहार ठीकेदारी निबंधन नियमावली, 2007 क कंडिका-4(क) आ 7 मे संशोधन करबाक स्वीकृति आ पथ निर्माण विभाग क अन्तर्गत राज्य क सब कार्य विभाग, योजना आ विकास विभाग क अन्तर्गत स्थानीय क्षेत्र अभियंत्रण संगठन, निगम, उपक्रम, प्राधिकरण, परिषद् आ निकाय क अधीन ओहन कार्य जेकर प्राक्कलित राशि 15.00 लाख (पन्द्रह लाख) या ओहि स कम रहत, स संबंधित अंचल स्तर पर वर्षवार कुल कार्य क 50 प्रतिशत कार्य, अनुसूचित जाति, अनुसूचित जन जाति, अत्यन्त पिछड़ा वर्ग, पिछड़ा वर्ग आ पिछड़े वर्ग क महिला संवेदक लेल आरक्षित करैत उक्त कोटि क अन्तर्गत प्राप्त निविदा क माध्यम स कार्य कए आवंटित करबाक स्वीकृति देल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa