दरभंगा । डीएमसीएच क कान नाक आ गला (इएनटी) विभाग मे बिहार क पहिल मॉडलर आॅपरेशन थिएटर क उद्घाटन भ गेल। एहि मौका पर प्राचार्य डा.एसएन सिन्हा कहला जे इ डीएमसीएच लेल गौरव क गप अछि। मिथिला मे सेहो आब इ ओटी मैक्स आ अपोलो सन अस्पताल क अहसास करा रहल अछि। एहि मे आॅपरेशन करेनिहार रोगी कए कोनो कम्पलिकेशन नहि होयत। डीएमसीएच क विकास कए इ नवआयाम अछि। सरकार एहि ठामक सबटा ओटी कए धीरे धीरे मॉडलर ओटी मे बदलबाक प्रयास क रहल अछि। अस्पताल अधीक्षक डा.सूरज नायक कहला जे हुनकर इ एकटा सपना छल्ल जे आइ पूरा भ गेल। एहि ठाम मरीज कए अत्याधुनिक सुविधा भेटत। ओटी मे डाक्टर कए आपरेशन करबा लेल सेहो काफी सुविधा भेटत। ईएनटी विभागाध्यक्ष डा. बीके राय कहला जे मरीज कए इंफेक्शन स बचेबा लेल लेमिनार फ्लो, हेपा फिल्टर आ आठ टन क एसी समेत अन्य उपकरण एहि ठाम लगाउल गेल अछि। सेन्सर वाटर आ सेन्सर फाटक सेहो अछि। रिमोट कंट्रोल स इलेक्ट्रानिक हाइड्रोलिक आपरेशन टेबल संचालित होएत। लाइट जर्मनी क अछि। सूक्ष्म औजार मे माइक्रोमीटर, माइक्रोडिवाइडर, माइक्रोडील आदि शामिल अछि। दीवार स्टेन्लेस स्टील क अछि। ओटी मे कतहु कोनो जोड़ नहि अछि।
गौरतलब अछि जे डीएमसीएच क विकास मे एकटा नहि बल्कि दूटा कड़ी जुटि सकैत छल, मुदा से नहि भ सकल। उत्तर बिहार क सबस अत्याधुनिक गहन चिकित्सा कक्ष (आईसीयू) गायनिक वार्ड मे एखन धरि चालू नहि भ सकल अछि। एहि कारण स कईटा गंभीर मरीज बेमौत मरबा लेल बाध्य छथि। सरकार एहि आईसीयू कए गरीब मरीज लेल विशेष रूप स बनेलक अछि। लापरवाही क स्थिति इ अछि जे 35 लाख क लागत स बनल छह बेड क एहि आईसीयू मे ताला लटकल अछि आ कई मास स इ अपन उद्घाटनक बाट ताकि रहल अछि। इ आईसीयू दिसंबर, 2012 मे अस्पताल अधीक्षक कार्यालय कए हैंड ओवर क देल गेल अछि। आईसीयू आ उपकरण चालू रखबा लेल कर्मी सेहो तैनात अछि। अगर एहन आईसीयू निजी नर्सिग होम मे बनल रहिते त फटाफट चालू भ गेल रहिते। निजी नर्सिग होम क आईसीयू मे एकटा मरीज कए एक दिन मे आठ स 10 हजार टका लगैत अछि। अस्पताल अधीक्षक डा सूरज नायक कहला जे एकर उद्घाटनक जिम्मेवारी गायनिक वार्ड क यूनिट इंचार्ज क अछि। ओना मरीज कए भर्ती करबाक आदेश देल जा चुकल अछि, मुदा ताला एखनो लटकल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa