• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

“डॉल्फिन दिवस” : औपचारिकता मात्र नहि रही जाए इ दिवस

October 5, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। दुनियाक दुर्लभ प्राणी मे स एक वा विलुप्तप्राय गैगेटिक डॉल्फिन कए राष्ट्रीय जल जीव घोषित भेना तीन साल बीत गेल छल, मुदा बिहार मे डॉल्फिन क तादात लगातार कम भ रहल छल। आब बिहार सरकार सेहो डॉल्फिन संरक्षणक लेल हरेक साल पांच अक्टूबर क दिन “डॉल्फिन दिवस” मनेबाक निर्णय लेलक। आइ एहि दिवस पर डॉल्फिन क संरक्षणक संकल्‍प मात्र औपचारिकता मात्र नहि रहि जाए।
इ सच अछि जे डॉल्फिन क तादात मे लगातार भ रहल कमी क वजह ओकर लगातार भ रहल शिकार वा गंगाक प्रदूषण बताओल जा रहल अछि। ओना सरकार आब डॉल्फिन कए बचेबा लेल पटना मे एशिया क पहिल डॉल्फिन अनुसंधान केंद्र खोलबाक योजना सेहो बनेलक अछि।
केंद्र सरकार 2009 मे “भारतीय वन्य जीव संरक्षण निति’ क तहत डॉल्फिन कए सुरक्षा प्रदान केलाक बादो बिहारक गंगा नदी मे एकर सुरक्षा लेल कोनो खास प्रयास नहि कएल जा रहल अछि। गंगाक जलस्तर घटला स ओही म भेल गंदगी स पर्यावरण वैज्ञानिक सेहो समय-समय पर चिंता प्रकट केने छथि। जलस्तर घटला स डॉल्फिनक शिकार क संभावना बढि जाएत अछि।
राज्यक उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहलथि की बिहार मे दू अक्टूबर स व्यापक रूप स वन्य प्राणी सप्ताह मनायल जा रहल छल। पटना मे गंगा क डॉल्फिन बला क्षेत्र कए डॉल्फिन वाच सेंटरक रूप म विकसित करेबाक योजना अछि। कनाडा आर जापान क व्हेल वा डॉल्फिन दर्शन केंद्र क तर्ज पर एकरा विकसित कैल जाएत।
मोदी कहलथि जे हरेक साल पांच अक्टूबर कए डॉल्फिन दिवस मनाओल जाएत। जाही क तहत लोक सबहकए डॉल्फिन क प्रति जागरूकता करबा लेल एकटा कार्यशालाक आयोजन कैल जाएत, एही मे मछुआरा सहित आम लोक कए सेहो डॉल्फिन क बारे मे जानकारी देल जाएत।
विशेषज्ञ बताबैत छथि जे सोंसे देश मे डॉल्फिन क संख्या 1800 अछि जाही म स खाली बिहार मे 1200 स 1300 डॉल्फिन अछि।
ज्ञात होए जे एकरा सुरक्षा प्रदान करेबा लेल सरकार 1991 मे बिहार मे सुल्तानगंज स ल कए कहलगांव तक करीब 60 किलोमीटर क्षेत्र कए ‘गैंगेटिक रिवर डॉल्फिन संरक्षित क्षेत्र’ घोषित केलक अछि जाहि क बादो डॉल्फिन क शिकार मे कमी नहि आएल अछि।
डॉल्फिन संरक्षण लेल भारत सरकार द्वारा गठित सलाहकार समिति क अध्यक्ष आ पटना विश्वविद्यालय क जीव विज्ञान विभाग क विभागाध्यक्ष डॉं आर के सिन्हा बतेलथि जे डॉल्फिन मे एकटा विशेष प्रकारक तेल होएत अछि। ई तेल कोनो डॉल्फिनक वजन क 30 प्रतिशत होएत अछि।
एही तेलक गंध स आन मछली ओकर दिस आकर्षित होएत अछि। मछुआरा अपन जाल मे एही तेलक प्रयोग करैत अछि, ताहि कारण स डॉल्फिन क शिकार होइत अछि। ओ बतेलथि जे आब भारत मे 2000 स कम डॉल्फिन बचल अछि। डॉल्फिनक कमी गंगा प्रदूषण क सबसे पैघ कारक अछि। ओ कहलथि जे गंगाक घटब जलस्तर कए रोकब एकटा पैघ चुनौती अछि।
गौरतलब अछि जे फरवरी 2012 मे योजना आयोगक अध्यक्ष मोंटेक सिंह आहलुवालिया अपन बिहार दौरा क दौरान गंगा क सैर पर निकलल रहथि। तखन ओ डॉल्फिन क अटखेली देखने छलाह आ तखने ओ घोषणा केने रहथि जे एहि ठाम डॉल्फिन अनुसंधार केंद्र खोलब।
सिन्हा कहैत छथि जे बिहार सरकारक पहल पर बनि रहल ई एशिया क पहिल अनुसंधान केंद्र होएत। ओ कहलथि जे केंद्र डॉल्फिन आ एकर किछु प्रजाति क बचेबाक तरीका खोजत।
गैंगेटिक डॉल्फिन स्वच्छ पाइन मे पाओल जाए बला चारि टा प्रजाति मे स एक अछि, डॉल्फिन स्तनधारी जीव अछि जे सिटेसिया समूहक सदस्य अछि। आम बोलचाल क भाषा मे एकरा सोंस वा गंगा गाय क नाम जानल जाएत अछि। तिरहुत राज (दरभंगा राज) एकरा अपन राज्‍य चिन्‍ह बनौने छल।
जानकार कहैत छथि जे एकटा पूर्ण व्यस्क डॉल्फिन क लम्बाई दू स 2.70 मीटर होएत अछि, जखनकि एकर वजन 100 स 150 किलोग्राम होएत अछि। मादा डॉल्फिन नर डॉल्फिन स अपेक्षाकृत पैघ होएत अछि। दूनू जबड़ा मे 130 स 150टा दाँत होएत अछि। डॉल्फिन क विकास क क्रम मे एही मे चमगुदड़ी क जेना सूक्षम ‘इको लोकेशन सिस्टम’ क विकास होएत अछि जे ध्वनि क आधार पर दिशा क अनुमान लगबैत अछि आ अपन शिकार तकैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

झारखंड देत बिहार कए 2584 करोड़ टका

Esamaad Epaper Website

बैरिया मे लागत कचरा स बिजली बनेबाक संयंत्र

नायिका क बाट तकैत मैथिली रंग मंच

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि