पटना : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे कि डौंडियाखेरा मे भ रहल खुदाई बकवास अछि। मुख्यमंत्री संत शोभन सरकार द्वारा देखल गेल सपना क आधार पर एक हजार टन सोना लेल उन्नाव क डौंडियाखेरा मे एएसआई द्वारा कैल जा रहल खुदाई कए समयक बर्बादी करार देलथि अछि। ओ कहला अछि जे सपना मं लोक बहुत किछु देखैत अछि। ओ कहला जे एक हजार टन सोना स बेसी मूल्यवान बिहारक मिथिला क्षेत्र क इतिहास अछि जे धूल क गर्त मे अछि। ओकर खुदाई आवश्यक अछि। मधुबनी जिला मे बलिराजगढ़ क किला जे 2200 साल पुरान अछि तेकरा लेल केंद्र सरकार लग कोनो समय नहि अछि। एहन पुरातात्विक महत्व क स्थल क खुदाई एएसआई द्वारा हेबाक चाहैत छल, मुदा केंद्र ओकरा सपना क पाछू लगा देलक अछि। बिहार सरकारक बेर-बेर आग्रह करबा क बावजूद ओहि ठाम खुदाई नहि कैल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बलिराजगढ़ क खुदाई स केवल भारत इतिहास नहि बल्कि विश्व क इतिहास बदलि जाएत। विश्व सभ्यताक एकटा नव अध्याय ख्ुालत, मुदा एहि लेल केंद्र लग समय नहि अछि। मुख्यमंत्री जनता के दरबार मे मुख्यमंत्री कार्यक्रम क बाद पत्रकार सब स गप क रहल छलाह।
– इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
SWAAGAT YOGYA GAPP.