पटना/सासाराम। तमिलनाडु क कोयंबटूर स्थित कपड़ा मिल श्रीराम गोकुल टेक्सटाइल प्राइवेट लिमिटेड मे बंधक बनाउल गले स बिहार क 22टा मजदूर सकुशल पटना लौट एलाह। हिनका सब कए शुक्रवार दिन कोयंबटूर जिला प्रशासन मुक्त करौने छल। एहि सिलसिला मे कंपनी क आठ टा बदमाश कए पुलिस गिरफ्तार कैने छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हिनका लोकनि कए बंधक बनेबाक सूचना पाबि कए एकरा गंभीरता स लइत राज्य क गृह विभाग क प्रभारी प्रधान सचिव आमिर सभानी कए आवश्यक कार्रवाई करबाक निर्देश देने छलाह। मुख्यमंत्री क निर्देश पर सुभानी तमिलनाडु क गृह सचिव, श्रम विभाग क वरिष्ठ पदाधिकारी आ कोयंबटूर क जिलाधिकारी स संपर्क स्थापित केने छलाह। रोहतास जिले क जिलाधिकारी अनुपम कुमार समाद देलथि अछि जे कोयंबटूर मे रिहा भेल सबटा श्रमिक करगहर थाना क्षेत्र क लखनपुरा, बसंतपुर आ सिरसियां गाम क रहनिहार छथि। श्रमिक क परिवार क लोकक कहब अछि जे कपड़ा मिल मे काज क दौरान एकटा मजदूर मनीष कुमार क हाथ कटि गेल। एकरा लेल जखन मुआवजा मांगल गेल त मिल प्रबंधन पहिने बिहारी मजदूर कए पिटलक फेर बंधक बना लेलक। एहि मे स पिंटु कुमार कोनो तरहे मोबाइल फोन स एकर सूचना अपन परिजन कए देलथि, जेकरन् आद इ मामला प्रकाश मे आइल आ मुख्यमंत्री सक्रिय भ मामला खत्म करौलथि।
bahut neek lagal videsh mein baisal maithil aahan ke paper paidh sakaiye bihar kr taraki ke baare mein suino ke mon khush bhel Very Good Job