पटना । एकरा बिहारक जीत कही बा कांग्रेस कए जदयू क जरूरत, मुदा काफी समय स उठैत मांग कए पूरा करैत केन्द्र सरकार बिहार क तीनटा तापविद्युत परियोजना लेल कोयला ब्लॉक आवंटित क देलक अछि। राज्य क ऊर्जा मंत्री बिजेन्द्र प्रसाद यादव कहला जे काफी दिनक बाद आ काफी हो-हल्ला क बाद कोयला ब्लॉक आवंटित कैल गेल अछि। ओ कहला जे भागलपुर क पीरपैंती, लखीसराय क कजरा आ बक्सर क चौसा क प्रस्तावित परियोजना लेल पश्चिम बंगाल मे एकटा कोयला ब्लॉक आवंटित कैल गेल अछि।
यादव कहला जे बिहार कए विकास लेल बिजली क जरूरत अछि। कोयला ब्लॉक भेटला स एहि ठामक परियोजना सब आब जल्द स जल्द पूरा करबाक कोशिश होएत। बिजली विभाग क अधिकारी क अनुसार एहि तीनू परियोजना क बिजली उत्पादन क्षमता 1,320 मेगावाट अछि। एहि परियोजना क प्रारंभ भेला स बिहार कए 3,960 मेगावाट अतिरिक्त बिजली भेटत। तीनू योजना मे बिहार क 85 फीसदी हिस्सेदारी अछि। सात-सात हजार करोड़ क लागत स प्रस्तावित तीनू परियोजना लेल जमीन अधिग्रहण भ चुकल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे बिहार कए वर्तमान समय मे रोजाना लगभग 3,000 मेगावाट बिजली क आवश्यकता अछि। राज्य मे केवल 100 मेगावाट क उत्पादन भ रहल अछि आ केंद्र सरकार 1,800 मेगावाट स कम बिजली क आपूर्ति क रहल अछि। राज्य मे 1,100 मेगावाट बिजली क कमी अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa