• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

…त शाहनवाज छथि भाजपा क तुरुपक पत्ता! `

July 6, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नर्मदा कुमारी
पटना । बिहार मे माइ समीकरण मे टूट क बाद मुस्लिम वोट लेल जदयू आ राजद मे मारामारी भ रहल अछि। लालू जतए अपन मुस्लिम वोट बचेबा लेल दिनराति एक क रहल छथि, ओतहि नीतीश कुमार मुस्लिम वोट कए अपना दिस करबा लेल राजग स अलग हेबाक फैसला तक क लेलथि अछि। कहियो कांग्रेस क वोटबैंक रहल मुस्लिम आइ सब दल क पहिल जरुरत बनि गेल अछि। राजद, जदयू और कांग्रेस क मुस्लिम प्रेम क काट लेल भाजपा सेहो रणनीति तैयार क रहल अछि। भाजपाक अंत:पुर स भेट रहल जानकारीक अनुसार पार्टी बिहार मे लोकसभा चुनाव स पूर्व अपन तुरुप क पत्ता फेंकत। राज्य मे बदलैत राजनीतिक समीकरण क बीच भाजपा भागलपुर क सांसद शाहनवाज कए अगिला मुख्यमंत्री क रूप मे पेश क सकैत अछि। एहन मे मुस्लिम वोट क किछु हिस्सा भाजपा दिस आबि सकैत अछि आ शाहनवाज हुसैन बिहार मे भाजपा आ नरेंद्र मोदी लेल संकटमोचक साबित भ सकैत छथि। भाजपा क एहि तुरुप क पत्ता क उत्तर कोनो राजनीतिक दल लेल आसान नहि होएत। देखल जाए त बिहार मे मुस्लिम मुख्यमंत्री करीब तीन दशक पूर्व भेल अछि। एहि बीच मे मुस्लिम हितैषी क राजनीतिक दल मे जोरदार प्रतिस्पर्द्धा जारी रहल, मुदा कोनो दल मुस्लिम नेता कए मुख्यमंत्री क रूप मे प्रोजेक्ट नहि केलक। मुसलमान मे एकर मलाल अछि। रामविलास पासवान आ लालू प्रसाद तक मुख्यमंत्री क रूप मे कोनो मुस्लिम कए पेश नहि क सकलाह अछि। 2005 क चुनाव मे रामविलास पासवान मुस्लिम सीएम बनेबा पर समर्थनक घोषणा केने छलाह, मुदा 2010 मे लालू कए मुख्यमंत्री आ अपन भाई कए उपमुख्यमंत्री क रूप मे पेश केलथि। एहन मे भाजपा राज्यक मुस्लिम समुदाय कए इ संदेश देत जे ओ राज्य मे कई सालक बाद मुस्लिम सीएम देबाक काज करत। वोट बैंक क रूप मे ख्यात एहि समुदाय क कईटा नेता क कहब अछि जे मुस्लिम मुख्यमंत्री क अभाव मे अल्पसंख्यक क जेतबा विकास हेबाक चाहैत छल, ओ नहि भ सकल। एहन मे राजद आ लोजपा क परेशानी बढि सकैत अछि। प्रधानमंत्री पद क लेल नरेंद्र मोदी नाम आगू एलाक बाद बिहार मे मुस्लिम वोट जीत क केंद्र मे जा चुकल अछि। राज्य क 60टा बेसी विधानसभा क्षेत्र मे उम्मीदवार क जीत मे मुस्लिम वोटर क निर्णायक भूमिका अछि। 16टा विधानसभा क्षेत्र मे मुस्लिम आबादी सबस बेसी अछि। राज्य क लगभग सौटा विधानसभा क्षेत्र मे मुस्लिम वोट क बिना चुनावी नैया पार लागब कठिन भ सकैत अछि। राज्य मे शायद एहन कोनो प्रखंड नहि अछि जाहि ठाम दस हजार स कम मुस्लिम आबादी अछि। दोसर दिस राजद छोडलाक बाद जदयू स मुसलमान अपन दूरी कम क रहल अछि। नफा आ नुकसान क आकलन क बीच एमएसडीपी योजना क दायरा बढ़ाकए कांगे्रस आ जदयू मुसलमान क उत्थान क सवाल पर एकटा फ्रंट पर रहबाक संकेत देलक अछि। भाजपा एहि बदलैत हालात कए अवसर क रूप मे भजेबा लेल तुरुप क पत्ता चलेबाक फिराक मे अछि। भाजपा कए केवल सही समय क इंतजार अछि। भाजपा ककईटा कद्दावर नेता भले लोकसभा चुनाव क गप करैत भविष्य क योजना पर विराम लगा दैत छथि, मुदा अंत:पुर स आबि रहल समाद क अनुसार भागलपुर सांसद आ भाजपा क राष्ट्रीय  प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन कए मुख्यमंत्री क रूप मे कखनो प्रोजेक्ट कैल जा सकैत अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आत्महत्या करबाक मामला मे बिहार सबस पाछु

Esamaad Epaper Website

'अंतरराष्ट्रीय बिहार म्यूजियम' क शिलान्यास

Esamaad Epaper Website

लोकार्पित भेल पहिल मेड इन बिहार साइकिल

Comments 1

  1. RATNESHWAR JHA says:
    12 years ago

    YADI EHAN HOIT ACHHI TAKHAN MITHILAK RAJNITI SEHO GARMAYAT.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि