अभिनव कुमार
बेंगलुरु । केंद्रीय उड्डयन राज्य मंत्री जयंत सिन्हा कहलथि अछि जे दरभंगा एयरपोर्ट स विमान सेवा शुरु करबा लेल टर्मिनल निर्माणक बाट नहि ताकल जायत। इ सेवा अस्थायी टर्मिनल बना शुरु कैल जायत। ओ कहला जे दिल्ली मे पत्रकार कए उडान योजनाक दोसर चरणक जानकारी दैत एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया क पदाधिकारी दरभंगा एयरपोर्ट क बुधदिन निरीक्षण केलथि अछि। ओहि ठाम सेवा शुरु करबा लेल शीघ्र एकटा पोर्टेबल केबिन तैयार कैल जा रहल अछि। पोर्टेबल केबिन मे यात्री कए चेंकिग, सिक्योरिटी चेक आ अन्य सुविधा भेट सकत। स्थायी टर्मिनल लेल 20 एकड जमीन सरकार अधिग्रहण करत, जेकरा लेल भमिक चयन भ गेल अछि। बाकीक रूपरेखा लेल एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया क टीम लागल अछि। पोर्टेबल केबिन ता धरि उपयोगी रहत जा धरि स्थायी एयरपोर्ट टर्मिनल, एटीसी और अन्य निर्माण नहि भ जाइत अछि।
उल्लेखनीय अछि जे बुधदिन केंद्र सरकार उडान योजनाक दोसर चरण लेल चयनित शहर आ सेवा देनिहार विमानन कंपनीक घोषणा क देलक। बिहार स दरभंगा एक मात्र शहर एहि सूची मे अछि। दरभंगा एहि योजनाक तहत दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरु स सीधा जुडत। दरभंगा लेल सेवा देनिहार दूटा विमानन कंपनी निविदा देने छल, मुदा इंडिगो अंतिम समय मे अपन दावा वापस ल लेलक। दरअसल दरभंगा लेल दूनू निविदा सरकार स बिना कोनो सहायता लेने सेवा देबा लेल छल। सरकार आखिरी समय मे 40टा सीट लेल अधिकतम किराया तय कर देलक जे किराया छूट लेनिहार कंपनी लेल तय भेल छल। इंडिगो इ कहैत अपन नाम वापस लेलक जे हम जखन सरकार स कोनो सब्सिडी नहि लेब त हमरा लेल सब्सिडी लेनिहार जेकां न्यूनतम किराया क बंधन किया। ओना स्पाइजेट सरकारक एहि शर्त कए मंजूर केलक आ दरभंगा स तीनटा शहर लेल सेवा देबाक परमिट हासिल केलक। स्पाइस जेट क एकटा अधिकारीक अनुसार कंपनी दरभंगा लेल काफी उत्साहित अछि आ दरभंगा स बुकिंग शुरु करबा लेल जरुरी प्रक्रिया कए पूरा करबा मे लागल अछि। हुनकर अनुसार कंपनी दरभंगा स तीनू शहर लेल 189 सीट वाला बोइंग 737 एयरक्राफ्ट उपयोग करत। एहि मे सरकारी शर्त क अनुसार 40 टा सीट लेल अधिकतम किराया 3 हजार 470 टका होएत, जखन कि बाकी सीट लेल किराया मांगक अनुरूप तय कैल जायत। पटना क मुकाबले दरभंगाक किराया मे केतबा अंतर भ सकैत अछि त ओ कहला जे इ मांग पर निर्भर करैत अछि। अगर दरभंगा लेल मांग पटना स बेसी रहत त निश्चित रूप स किराया पटनाक समान या फेर बेसी होएत। विमानन कंपनी मे किराया मांग क अनुरूप होइत अछि, मुदा दरभंगा मे पैघ आकारक विमान उतरत ताहि लेल किराया मे राहतक उम्मीद कैल जा सकैत अछि।