• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा कए लजा देलक बेल्जियम क छात्र

July 7, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

विजय/ वरूण

दरभंगा। बेल्जियम क डेनियम फाउंडेशन क माध्‍यम स दरभंगा आयल छात्र डीएमसीएच क टीबी डीसी वार्ड मे बनि रहल इंटर मिडिएट रिफयार्स लैब मे श्रमदान क पूरा शहर कए अपना दिस आकर्षित क लेलथि अछि। विदेश स आयल इ छात्र सब 12वीं कक्षा क छथि। बेल्जियम क इ छात्र सब केवल एहि ठाम श्रमदान नहि क रहल छथि बल्कि एहि दल क सदस्‍य डेनियम फाउंडेशन क छत्रछाया मे एहि केंद्र लेल 1 करोड़ 80 लाख टका सेहो जुगाड केलथि अछि। इ अर्थ संग्रह इ छात्र सब अपन देश मे क एहि ठाम दान देल‍थि अछि आ अर्थदान क संग-संग श्रमदान सेहो द रहल छथि। एहि स डीएमसीएच क टीबीडीसी वार्ड मे राज्‍यक दोसर पैघ अत्याधुनिक प्रयोगशाला बनि सकत। एहि प्रयोगशाला कए बनला स एहि इलाका क टीबी रोगी कए बहुत सुविधा भेटत। कुल 12टा छात्र-छात्राक इ दल बेल्जियम स एक सप्‍ताह लेल दरभंगा आयल अछि। हिनक कहब अछि जे श्रमदान आ एहन क्षेत्र लेल फंड जुटायब हिनकर शिक्षाक महत्वपूर्ण हिस्सा अछि। दलक सदस्‍य एस माइकल कहला जे डब्लूएचओ क रिपोर्ट क अनुसार दरभंगा मे टीबी रोगी क संख्या काफी बेसी अछि। एहि ठाम कैट वन आ टू क दवाई स इलाज नहि भ पाबि रहल अछि। एहन मे अगर एहि ठाम हमर सबहक सहयोग स इ लैब बनि जाएत त इलाज संभव भ सकत। एहि लैब क निर्माण क बाद एहि ठामक मरीज कए इलाज लेल अन्य प्रदेश जेबाक जरूरत नहि रहत। माइकल उम्‍मीद दैत कहला जे इ लैब दरभंगा कए टीबी रोग स मुक्त क देत।
टीबीडीसी वार्ड मे एहि छात्र सब कए सीमेंट-गारा आ ईंट ढोइत देख कए दरभंगा क लोक आश्चर्य चकित भ रहल अछि। केतबा पैघ विडम्बना अछि जे अध्ययन क दौरान श्रम क महत्ता बतानिहार हमार भारतीय शिक्षा प्रणाली अपन देश मे आब समाप्त भ चुकल अछि। खास कए दरभंगा मे त इ इतिहासक पन्‍ना मे नुका गेल अछि। पुरानी पीढी क लोक क कहब अछि जे आजादी क बाद तक दरभंगाक राज स्‍कूल आ किछु आओर स्‍कूल मे छात्र लेल श्रमदान आ हस्तकला शिक्षा क महत्‍वपूर्ण आ अनिवार्य हिस्‍सा छल। स्‍कूल क कक्षा क सफाई क जिम्‍मा छात्र सब पर छल। झाडू, टोकरी, चटाई छात्र अपन हाथ स बनबैत छल। स्‍कूल छात्र सब कए खेती करबा लेल गाम सेहो ल जाइत छल। बाँध मरम्‍मत, सड़क मरम्मत सन काज सेहो छात्र श्रमदान क करैत छलाह। मुदा आइ शिक्षा क मतलब बदलि चुकल अछि। भारतीय शिक्षा प्रणाली स प्रेरणा लकए विदेशी छात्र-छात्रा जखन हमर घर मे श्रमदान करबा लेल अबैत छथि त हम हुनका देख चकित होइत छी, हमर बीचक किछु लोक हुनका देख हंसैत छथि मुदा एक आदमी हमर सबहक बीच मे एहन नहि छथि जे हुनका संग हाथ मिला कए श्रमदान क सकथि। सात समुन्दर पार स भारतीय संस्कृति क लुप्त भ चुकल सुगंध स दरभंगा कए एक बेर फेर सराबोर करबा लेल आयल बेल्जियम क एहि छात्र-छात्रा क जज्‍बा कए इ’समाद परिवार दिस स नमन।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मिथिला मे सांप क मेला देखबा लेल पहुंचल पर्यटक

Esamaad Epaper Website

बिहार मे जीएम बीज क परीक्षण पर रोक

Esamaad Epaper Website

उद्योगपति लेल सेज सन सेज सजा रहल अछि बिहार सरकार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि