• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा क दामिनी आ गलहोत क चिंता

January 3, 2013
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कुमुद सिंह
वाकई राजस्‍थान क गलहोत सरकार पर जयपुर हाइकोर्ट क टिप्‍पणी सटीक छल। महिला उत्‍पीडन मामला मे गलहोत सरकार सुशासनक मानक स्‍थापित क रहल अछि। गलहोत दरभंगाक दामिनी लेल घटनाक करीब 130 दिन बाद अचानक चिंतित भ गेलाह। दरभंगाक दामिनी लेल मुख्‍यमंत्री गलहोत कए आश्‍वासन देबा मे 130 दिन लागि गेल। आश्‍वासन सेहो बस पीडिता क परिवार क सुरक्षा क आश्‍वासन। दामिनी क गुनहगार एखनो जेल स बाहर अछि। राजस्‍थान सरकार ओकरा पकडबा स बेसी ओकरा बचेबा लेल चिंतित अछि। इ आश्‍वास सेहो ओहि जनदबाव क कारण देल गेल जाहि स गलहोत लेल आरोपी कए बचायब आब मुश्किल भ रहल अछि। यैह कारण अछि जे एक दिस जतए पूरा देश दुष्‍कर्मी कए फांसी क मांग क रहल अछि, ओतहि गलहोत दुष्‍कर्मी कए जेल पढेबा क बदला मे पीडिता क परिवार कए सुरक्षा देबाक आश्‍वासन द मामला कए शांत करबाक प्रयास मे लागल छथि। ज्ञात हुए जे भंवरी देवी कए तकबा काल राजीव नहर स बरामद 32 टा युवतीक नरकंकाल मामला कए सेहो गलहोत एहिना आश्‍वासन क चादर मे लपेट रखने छथि।
गलहोत सरकार क संरक्षण जगजाहिर अछि ताहि लेल गुनहगार कए एहि बेर सेहो अपन आका पर पूरा भरोस अछि। ओकरा कोनो चीज क डर नहि अछि, ओकर दिस स दामिनी क बहिन कए भेट रहल धमकी बता रहल अछि जे सरकारी संरक्षण क बल पर ओ आगू सेहो अपन मनमर्जी क सकैत अछि। गलहोत जाहि प्रकार स गुनहगार कए बचेबा मे लागल छथि ओहि स आशंका प्रबल अछि जे गुनहगार पहिने त ‘दरभंगा क दामिनी’ क जिनगी कए नोचलक आ आब ओकर छोट बहिन आ ओकर परिवार संग सेहो किछु क सकैत अछि। दरिंदा धमकी द रहल अछि जे पुलिस ओकर किछु नहि क सकैत अछि। पुलिस एहि धमकी कए एतबा गंभीरता स लेलक अछि जे एखन धरि फोन आ पता ओकरा लग नहि अछि।
जनदबाव क आगू राजस्थान सरकार जगबाक दावा केलक अछि, मुदा गुनहगार कए पडकबाक कोनो आश्‍वासन देबाक बदला मे मुख्यमंत्री अशोक गहलोत पीड़िता क परिवार कए सुरक्षा क आश्वासन देलथि अछि। 130 दिन मे 12 टा पैघ-छोट ऑपरेशन क बाद गलहोत कए इ चिंता भेल जे पीडिता क केहन इलाज भ रहल अछि आ ओ आब जा कए ओकर परिवार कए कहलाह अछि जे जरूरत भेला पर दरभंगाक दामिनी कए सेहो बलिया क दामिनी जेकां विदेश पठाउल जा सकैत अछि। सरकारी आश्वासन क बाद अगर अहां इ सोचि रहल छी जे हालात मे कोनो अंतर भेल होएत त इ भ्रम अछि। जयपुर क जेकेलोन हास्पिटल मे जिनगी लेल जूझ रहल ‘दरभंगा क दामिनी’ क देखरेख मे जुटल ओकर 17 सालक बहिन कए सरकारी संरक्षण मे नुकायल दरिंदा सब एखनो धमका रहल अछि। आरोपी साफ तौर पर कहि रहल अछि जे चुपचाप इलाज करा नहि त मुंह खोलबा पर राजस्‍थान स वापस नहि जा सकैत छैं। कई बेर फोन एला क बावजूद जयपुर पुलिस गरैय माछ पकडबाक प्रयास क रहल अछि। ओकर परिवार कोनो अनहोनी क आशंका स सहममल जरूर अछि मुदा हिम्‍मत स जयपुर मे न्‍याय लेल जंग जारी रखने अछि। दरिंदा सब साफ तौर पर अपन पहुंच क दावा क रहल अछि। सरकारी संरक्षणक पोल एहि स सेहो खुलैत अछि जखन आरोपी अपन ‘पैघ कनेक्शन’ क बल पर जेल नहि जेबाक दावा क रहल अछि आ सरकार महज पीडिताक परिवार कए सुरक्षाक आश्‍वासन द रहल अछि। ज्ञात हुए जे ‘दरभंगा क दामिनी’ कए नोचनिहार छहटा दरिंदा मे स मुख्‍य आरोपी समेत चारिटा एखनो सरकारी संरक्षण मे अछि। दू गोटे कए जेल पहुंचा सरकार ओकरो जमानत पर जेल स बाहर करबाक काज संपन्‍न क चुकल अछि। पुलिस सब किछु जनैत सरकार क आगू लाचार अछि।
‘दरभंगाक दामिनी’ क बहिन धमकी क गप विस्तार स जयपुर मे पुलिस क सामने बता चुकल छथि। दरभंगाक माटी क इ ताकत अछि जे तीनटा बहिन आ माई दरभंगाक जयपुर मे न्याय क जंग लडबा लेल जमल अछि। परिवार कोनो धमकी क बाद विचलित नहि अछि। देखबाक चाही जे पुलिस सरकारी संरक्षण मे नुकायल आरोपी कए कहिया जेल तक पहुंचेबाक हिम्‍मत जुटा पबैत अछि?
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार सरकार कए झटका, हाइस्‍कूल मे प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती क आदेश

Esamaad Epaper Website

मिथिला क पोखरि मे पोसल जाएत वियतनामी माछ

Esamaad Epaper Website

पहिल 'विश्वमय अस्पताल' क शुभारंभ 22 कए, दरभंगा कए भेटत लाभ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि