दरभंगा । जेना जेना लोकसभा चुनाव लग आबि रहल अछि, सासंद कीर्ति आजाद कए दरभंगाक चिंता बढ़ल जा रहल अछि। पिछला कई साल स दरभंगा कए दिल्ली बना देबाक दावा करनिहार आजाद अधिकतर समय दिल्ली मे बितेलाह, मुदा आब दरभंगा क जल जमाव पर ओ किंतु-परंतु सुनबा लेल तैयार नहि छथि। सांसद मे दरभंगाक कोनो मसला उठेबा स परहेज करनिहार कीर्ति आब इ सेहो कहैत छथि जे रेल मंत्रालय स काज निकालब हुनकर जिम्मा आ स्थानीय पदाधिकारी स्थानीय स्तर क काज कए आगू ल जाइथि। कीर्ति क इ बदलल रूप कोनो मंच पर नहि बल्कि दरभंगा नगर निगम कार्यालय मे देखबा लेल भेटल। दिल्ली स दरभंगा पहुंचल कीर्ति एहि बेर नहि त पाकिस्तान क हालात पर चिंतित भेलाह आ नहि हुनका अइपीएल क चिंता छल। ओ पूर्णरूप स दरभंगा क सांसद जेकां दरभंगा लेल चिंतित देखेलाह। नगर आयुक्त क कक्ष मे ओ महापौर गौरी पासवान स साफ कहला जे- सूनू मेयर साहब, हमर एकटा इच्छा अछि जे शहर क लोक कए जलजमाव से निजात भेट जाए। एहि मे कोनो अगर-मगर, किंतु-परंतु नहि चलत। रेलवे हो बा पीएचईडी सबकए एक ठाम बैसा समेकित रूप स योजना बनाउल जाए आ तत्परता स ओकर क्रियान्वयन कैल जाए, जाहि स दरभंगा शहर क लोक बरसात मे जलजमाव क पीड़ा स आजाद रहथि। निगम कार्यालय मे दरभंगाक विकास लेल निगम पदाधिकारी संग सांसद क बैसार क सूचना भेटला पर नगर विधायक संजय सरावगी सेहो निगम कार्यालय पहुंचलाह आ अपन चिंता कए सांसद क चिंता संग जोडि निगम पदाधिकारी कए शीघ्र समर्ग बैसार बजेबाक अनुरोध केलथि। बैसार मे मेयर गौरी पासवान, नगर आयुक्त केबीएन सिंह, नगर अभियंता सुशील कुमार उपस्थित छलाह। दरभंगाक क नीति निर्धारक इ तीनू पदाधिकारी विधायक आ सांसद क आगू किछु कहबा मे असमर्थ छलाह। दरभंगा मे एहन कम मौका आयल अछि जखन एहि प्रकार स सासंद आ विधायक शहर क मासला पर भोरे भोर निगम कार्यालय पहुंच बैसार क रहल छलाह।
नगर विधायक क उपस्थिति देख सांसद नगर आयुक्त स जलजमाव क कारण बुझबाक प्रयास केलथि त नगर अभियंता हुनका विस्तार स जलजमाव आ ओकर निदान क उपाय बुझेलथि। अल्लपट्टी भटवा पोखर लग जल निकासी क रास्ता पातर अछि। एकरा चौड़ा करबा लेल रेलवे स सहयोग चाही। लहेरियासराय चट्टी स वाटर वेज वाला नाला क आउट लेट जीवछ नदी तक ल जेबाक अछि आ कंगवा गुमटी लग स नदी तक आउट लेट बनेबाक अछि। एतबा सुनैत सांसद एना चौंकलाह जेना दरभंगा पहिल बेर आयल छथि। सांसद कहला जे अगर बीमारी आ इलाज दूनू बुझल अछि त फेर देरी कोन गप क अछि, बैसार बजाउ आ आयुक्त ओकर अध्यक्षता करथि। कीर्ति कहला जे सब कए एक संग बैसबा मे देरी किया। डीआरएम, जिला प्रशासन, इरकान, पीएचइडी, पीडब्ल्यूडी आ डूडा कए एक संग बैसाउ। एक संग सोचला स काज बनत आ शहर जलजमाव स मुक्त होयत। रेलवे स जे करेबाक अछि से हम करा देब। बांकी मुद्दा पर अहां सब गंभीरता देखाउ। नगर विधायक संजय सरावगी सुझाव देलथि जे तीनू आउटलेट ग्रामीण क्षेत्र मे अछि। एकर निर्माण मनरेगा स कराउल जाए। एहि स नगर निगम कए राशि क समस्या सेहो नहि होएत आ लोक कए रोजगार सेहो भेटत, शहर कए जल जमाव स मुक्त करबा लेल इ एकटा नीक रास्ता अछि। सांसद श्री आजाद विधायकक सुझाव कए स्वीकार करैत सोच क सराहना केलथि। ओ कहला जे आयुक्त स सहमति ल कए 15 अप्रैल कए सब विभाग क संयुक्त बैसार आहूत कैल जाए। एहि दौरान पार्षद प्रदीप गुप्ता सेहो नगर निगम प्रशासन पर कई बेर चुटकी लेलथि, जेकर उत्तर नहि त मेयर लग छल आ नहि नगर आयुक्त लग। बैसार मे सहायक अभियंता रतन कुमार वर्मा, सउद आलम क संग पार्षद आशुतोष कुमार, नफीसुल हक रिंकु आदि सेहो शामिल भेलाह। नगर निगमक बैसार क बाद सांसद दरभंगा टावर पहुंचलाह। टावर पर दुर्गध एतबा छल जे ओ नगर आयुक्त स पूछलाह जे ब्लीचिंग क छिड़काव दरीभंगा मे होइत अछि बा नहि। एहि पर जखन एकटा नागरिक किछु टिप्पणी करबाक कोशिश केलक त सांसद ओकरा पुचकारि कए चुप करा देलथि। ओ टूक टूक क सांसद कए देखैत रहल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर