• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा घराना क प्रस्‍तुति स भावविभोर भेल दरबार हॉल

February 17, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । दरभंगा घराना क गौरवशाली इतिहास आ उज्‍जवल भविष्‍य दूनू शनिदिन सांझ दरबार हॉल मे एक संग देखबा लेल भेटल। ध्रुपद धाम कार्यक्रम क दोसर दिन दरभंगा घराना क प्रस्‍तुति स दरबार हॉल भावविभोर भ गेल । पं अभय नारायण मल्लिक, हुनक भाई राम कुमार मल्लिक आ भातीज समित कुमार मल्लिक क एहन प्रस्‍तुति भेल जे पूरा वातावरण वासंती भ गेल ।
दूरदर्शन पटना क तत्वावधान मे विदुर मल्लिक संगीत अकादमी इलाहाबाद आ कासिदं संस्कृत विवि, दरभंगा क सहयोग स तीन दिनी ध्रुपद धाम कार्यक्रम क दोसर दिन क शुरुआत गया घराना क प्रसिद्ध पखावज वादक प. रविशंकर उपाध्‍याय क प्रस्‍तुति स भेल । गया घराना क अदभुत शैली स परिचय करबैत पं उपाध्‍याय पढंत, पठित आ लयकारी क कईटा प्रयोगात्‍मक रचना दर्शक क समक्ष प्रस्‍तुत केलथि । ऋषि उपाध्‍याय क रूप मे एहि ठाम गया घराना सुरक्षित भविष्‍य सेहो देखबा लेल भेटल । ओ अपन पिता संग झाला आ धुमकिट क प्रस्‍तुति स मन मोहि लेलथि ।
दोसर दिन क दोसर प्रस्‍तुति दरभंगा लेल खास रहल । मुंबई स आयल लखनऊ निवासी दरभंगा घराना क पं सुखदेव चतुर्वेदी पहिल बेर अपन गुरु पं विदुर मल्लिक क जन्‍मभूमि पर अपन प्रस्‍तुति द रहल छलाह । दरभंगा घराना मे मल्लिक, तिवारी, पाठक क बाद चतुर्वेदी चारिम उपनाम जुडला स घराना क विस्‍तार देखबा लेल भेटल । चतुर्वेदी पहिने राग कल्‍याण आ फेर राग वसंत स ध्रुपद क राजधानी कए मता देलथि । तानसेन क वंदिश जयमान रानी….जखन ओ शुरु केलथि त दरबार हॉल मे लागल प्रतिमा जेना झंकृत भ गेल । नवल वसंत नवल वृंदावन… गबैत काल प. विदुर मल्लिक कए हुनका पर आशिर्वाद साफ देखा रहल छल । प्रस्‍तुतिक उपरांत प. चतुर्वेदी भावविभोर भ कहला जे दरबार हॉल मे प्रस्‍तुति द हुनक जीवन धन्‍य भ गेल ।
दोसर दिनक तेसर प्रस्‍तुति दरभंगा स ध्रुपद क पलायन क भ्रम दूर केलक । प. रामकुमार मल्लिक अपन पुत्र समित मल्लिक संग मंचासीन भेला त पूरा दरबार हॉल थोपरी बजा अपन खुशी क प्रदर्शन केलक । दरभंगा मे शास्‍त्रीय संगीत क सूखैत रसधार कए बचेनिहार रामकुमार मल्लिक राग कलावती स दर्शक कए मंत्रमुग्‍ध क देलथि । बाहर झमाझम भ रहल वर्षा क बीच जखन पिता-पुत्र क युगल प्रस्‍तुति राग वसंत मे एहो खेलत होली…शुरू भेल त दरबार हॉल मे स्‍वर आ ताल क उडैत गुलाल मे सब नहा गेलाह ।
दोसर दिनक तेसर प्रस्‍तुति सेहो खास रहल । दरभंगा धराना मे सबस पैघ, मिथिला रत्‍न पं अभय नारायण मल्लिक (1938) अपन पुत्र संजय मल्लिक क संग मंचासीन छलाह । दरबार हॉल मे महाराज कामेश्‍वर सिंह क समझ राग दरबारी गाबि चुकल पं. रामचतुर मल्लिक क सबस प्रिय शिष्‍य प. अभय नारायण मल्लिक आइ सेहो पहिने राग दरबारी सुनेलथि । हुनक प्रस्‍तुति स लागल जेना समय पाछु लौट गेल। राग वसंत मे हुनक दोसर प्रस्‍तुति बाहर भ रहल वर्षा कए आओर तेज क देलक । दरभंगा घराना क खास काली स्‍तुति सुनाओ ओ दोसर दिनक कार्यक्रम कए समापन केलथि ।
शब्‍द, स्‍वर आ ताल क गवाह बनबा लेल दरबार हॉल मे दोसर दिन कोनो राजा उपस्थित नहि छल, राजा क कोनो वंशज सेहो नहि देखेलाह, पहिल दिन जेना जनप्रतिनिधि सेहो नहि छलाह, मुदा मौसम खराब रहलाक बावजूद आम लोक क उपस्थिति स बुझा रहल छल जे ध्रुपद क प्रेम दरभंगा क रग-रग मे बसल अछि । एहि कार्यक्रम क जीवंत प्रसारण डीडी भारती क माध्यम स पूरा विश्‍व मे कैल गेल. इ आयोजन 17 फरवरी कए संपन्न होएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

व्‍यापारी क सम्‍मान स कर क प्रति सजगता बढत : सरावगी

डागर क सुर आ मल्लिक क धमाल पर झुमि उठल दरबार हॉल

Esamaad Epaper Website

नालंदा क समतुल्‍य होएत बलिराजगढ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि