• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा मे खत्‍म भेल औद्योगिक पतझड, 15 स चालू होएत अशोक पेपर मिल

February 12, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । दरभंगा मे एहि साल वसंत किछु अलग अछि । औद्योगिक पतझड क मौसम खत्‍म भ रहल अछि। वसंत मे नव पल्‍लव क उम्‍मीद देखा रहल अछि । दरभंगा क लोक 15 फरवरी क बेसब्री स बाट ताकि रहल अछि । सूचना क अनुसार वसंत पंचमी कए अशोक पेपर क चिमनी धुंआ उगलत । ओहि दिन एकर ब्वायलर क स्लो फायरिंग होएत आ 24 घंटा बाद उत्पादन शुरू भ जाएत । मिल चालू हेबाक सूचना स हायाघाट समेत पूरा दरभंगा मे खुशी क माहौल अछि। लोक क कहब अछि जे मिथिला मे पतझड क मौसम खत्‍म भ वर्षो बाद वसंत आयल अछि। मिल कए बंद भेलाक बाद इलाका क अर्थव्यवस्था चौपट भ गेल छल । लोक सब उम्मीद जतौलक जे अशोक पेपर मिल आब लगातार चलत। दोसर दिस एपीएम प्रबंधन उत्पादन क तैयारी मे जुटल छथि । मिल क महाप्रबंधक एनआर विद्यार्थी आ प्रशासकीय प्रबंधक एसपी सिन्हा समेत समस्‍त कर्मचारी राति-दिन मिल मे काज कए अंतिम रूप देबा मे लागल छथि। सोमवार दिन सांझखन मिल मे कच्‍चा माल क पहुंचल । कच्‍चा माल पहुंचबाक संगहि मिल खुलबाक उम्‍मीद विश्‍वास मे बदली गेल । अधिकारी स ल कए कर्मचारी तक एक स्‍वर मे दावा केलथि जे आब उत्पादन शीघ्र चालू करबा लेल हम सब तैयार छी । भगवती सब किछु ठीक रखलथि त बसंत पंचमी (15 फरवरी) क भेर मिल स केवल धुंआ नहि निकलत बल्कि नव इतिहास लिखबा लेल एहि ठाम स उत्‍पादित कागज सेहो उपलब्‍ध भ सकत। पूछला पर प्रबंधक कहला जे 12 फरवरी कए ब्वायलर मे फायरिंग क छल, मुदा कई कारण स इ नहि भ सकल।
जिला क एहि एकमात्र औद्योगिक ईकाई कए चलेबाक प्रति जिला प्रशासन सेहो गंभीर अछि। सोमदिन अनुमंडलाधिकारी प्रदीप कुमार गुप्ता सेहो अशोक पेपर मिल्स क दौरा केलथि आ प्रबंधन कए हर संभव सहयोग क आश्वासन देलथि अछि।
उल्लेखनीय अछि जे महाराजा कामेश्‍वर सिंह आ बैद्यनाथ आयुर्वेद भवन द्वारा संयुक्‍त रूप स 1956 मे एहि मिलक स्‍थापना भेल अछि। 30 लाख टका बैद्यनाथ आयुर्वेद भवन लगौने छल, जखन कि 30 लाख टका आइसीआइसीआइ बैंक स लेल गेल छल । कामेश्‍वर सिंह एहि मिल लेल 50 लाख निवेश केने छलाह । 1956 मे स्थापित एहि मिल स 1980 तक उत्पादन भेल । एकर बाद जे ग्रहण लागल ओ दरभंगा जिला कए उद्योगहीन बना देलक । ओना 1997 मे सर्वोच्च न्यायालय क आदेश पर एकरा चालू करबाक प्रयास शुरू भेल, मुदा परिणाम बहुत बेहतर नहि रहल। 1997 मे जखन मिलक नवका मालिक धरम गोधा दरभंगा पहिल बेर आयल छलाह, त स्‍थानीय लोक हुनका भगवान जेकां पूजने छल आ ओ कहने छलाह जे मिल शीघ्र खुलत। कई साल बीत गेल, बहुत किछु खत्‍म भ गेल, बचल अछि त बस उम्‍मीद। आ उम्‍मीद अछि जे 15 फरवरी कए मिल चालू होएत आ निरंतर चालू रहत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

न्‍यू पटना क पहिल झलक

पटना पुस्‍तक मेला 13 स, भेटल अंतरराष्‍ट्रीय दर्जा

आरोह अवरोह मे सराबोर भेल दरभंगा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि