बिहार सरकार देत जमीन । सीतामढ़ी, बोधगया आ राजगीर बनत वाई-फाई फ्री सिटी
दरभंगा आ भागलपुर मे टेक्नोलॉजी पार्क लेल भेटल जमीन
मुजफ्फरपुर आ बक्सर मे नाइलेट
सॉफ्टवेयर टेक्नोलॉजी पावर्स ऑफ इंडियाक इन्क्यूवेशन सुविधा क शिलान्यास
पटना । केन्द्रीय सूचना प्रावैधिकी मंत्री रविशंकर प्रसाद कहला अछि जे बिहार मे इलेक्ट्रॉनिक कलस्टर खुलबा लेल केंद्र सरकार तैयार अछि। बिहार सरकार अगर पचास एकड़ जमीन देत त शीघ्र इलेक्ट्रॉनिक कलस्टर एहि ठाम खोलल जायत। हम एहि माध्यम स दू करोड़ युवा कए इलेक्ट्रॉनिक सेक्टर मे रोजगार द सकैत छी। एकरा लेल दरभंगा समेत किछु जिला मे जमीन ताकल जा रहल अछि। ओना बिहार सरकार दरभंगा आ भागलपुर मे टेक्नोलॉजी पार्क लेल जमीन उपलब्धा करा देलक अछि आ बहुत जल्द दूनू ठाम पार्क क निर्माण शुरू भ जाएत। ओ कहला जे मुजफ्फरपुर आ बक्सर मे नाइलेट क केन्द्र खोलबाक निर्णय लेल गेल अछि। श्री प्रसाद कहला जे बिहार मे कम स कम 10टा बीपीओ सेन्टर खुलबाक तैयारी अंतिम चरण मे अछि। श्री प्रसाद शनिदिन सॉफ्टवेयर टेक्नोलॉजी पावर्स ऑफ इंडिया, पटना क केन्द्र मे नव इन्क्यूवेशन सुविधा क शिलान्यास करबाक बाद सभा कए संबोधित क रहल छलाह। ओ कहला जे राजनीति मे आरोप- प्रत्यारोप होइत रहैत अछि मुदा बिहार क विकास क मुद्दा पर हम सब एक छी। बिहार लेल हम कईटा आओर योजना सोचने छी जाहि पर मुख्यंमंत्री स चर्चा भेल अछि। मुख्यमंत्री एहि लेल सब प्रकारक मदद देबाक आश्वासन देलथि अछि। ओ कहला जेना वाजपेयी क सरकार हाई-वे लेल जानल जाइत अछि तहिना मोदी सरकार इन्फॉरमेशन हाई-वे लेल जानल जाएत। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री जीतनराम माझी कहला जे चाहे इन्फ्रास्ट्रक्चर या जमीन जेकर जरुरत अछि, बिहार सरकार ओ उपलब्ध करेबा में पाछु नहि रहत। ओ कहला जे बिहार क सबटा जिला कए ई-डिस्ट्रिक्ट क रूप मे परिणत कैल जाएत। माझी पुरान भ चुकल आईटी नीति क समीक्षाक सेहो गप केलथि। राज्य क सूचना प्रावैधिकी मंत्री शाहिद अली खाँ कहला जे दुनिया मे सबस लंबा फ्री वाई-फाई क्षेत्र पटना शहर मे अछि। बोधगया, राजगीर आ सीतामढ़ी सेहो वाई-फाई फ्री होएत। बिस्कोमान कए आईटी पार्क घोषित कैल जा चुकल अछि ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
एतबा त अवश्य कहय पडत जे सीमित संसाधन और अनेकानेक चुनौती के बावजूदो एसमाद अप्पन उद्देश्य में बहुत नीक जकां सफल भेल अछि। संपादक गण और समाचार संग्राहक सबके ढेर रासे धन्यवाद।