दरभंगा। रेडिमेड गार्मेटस क क्षेत्र मे दरभंगा अपन पहिल डेग उठा लेलक अछि। छोट लेकिन मजबूत डेग उठेबाक कारण इ कहल जा सकैत अछि जे भविष्य मे दरभंगा रेडिमेड गार्मेटस क क्षेत्र मे एकटा मजबूत केंद्र बनत। आ लोक कए रोजगारक अवसर प्रदान करत। दरभंगाक बेलवागंज मुहल्ला मे अनीता रेडिमेड गार्मेटस फैक्ट्री क उद्घाटन भेल अछि। एकर उदघाटन दरभंगाक महापौर गौरी पासवान केलथि। एहि मौका पर ओ कहला जे मिथिला क इ पहिल रेडिमेड गार्मेटस फैक्ट्री छी। एहि ठाम रेडिमेड कपड़ा तैयार क बाजार मे आपूर्ति कैल जाएत। एहि प्रकार क प्रतिष्ठान कए सब गोटे कए बढ़ावा देबाक आह्वान सेहो ओ केलथि। ओ कहला जे रेडिमेड गार्मेटस बनेनिहार अधिकतर बिहार क लोक छथि आ दिल्ली सन राज्य मे काज करैत छथि, अपन शहर आ राज्य मे एहि प्रकारक उद्योग लगबा स ओ सब अपन घर दिस घुडि सकैत छथि। उत्तर बिहार क्षेत्रीय ग्रामीण बैंक, मझौलिया शाखा क शाखा प्रबंधक जितेंद्र नारायण कहला जे कुटीर उद्योग कए बढ़ावा देबा क उद्देश्य स एहि फैक्ट्री कए खोलबा लेल बैंक ऋण देलक अछि। एहि ठाम रेडिमेड गार्मेट बना कए बेचल जाएत। मिथिला मे एहि तरह क इ पहिल फैक्ट्री अछि। वार्ड सं. 42 क पार्षद अशोक कुमार साह कहला जे इ वार्ड लेल गौरव क गप अछि। फैक्ट्री क मालिक अमलेश कुमार मंडल कहला जे सीधा मिल स कपड़ा मंगबा कए एहि ठाम रेडिमेड गार्मेंटस तैयार कैल जाएत आ मिथिला क बाजार मे एकरा सस्ता दाम पर उपलब्ध कराउल जाएत। ओ कहला जे एहि प्रकारक छोट-छोट पहल स रोजगार क अवसर पैदा होएत आ लोक कपडा बनेबा लेल नोएडा या अहमदाबाद नहि जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
स्वागत योग्य डेग ।
nik achh