दरभंगा । सुलभ आंदोलनक जनक डॉ बिंदेश्वर पाठक एक बेर फेर बिहार स अपन नव खोज कए विधिवत शुरुआत करताह । डॉ पाठक सोमदिन दरभंगा मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे घोषणा केलथि जे पोखरी बा नदी जल कए शुद्ध पेयजल बनेबाक पहिल विधिवत प्लांट दरभंगा मे लागत । एहि प्लांट स मात्र 50 पाइ प्रति लीटर दर स गरीब बा आम लोक कए पेयजल उपलब्धं भ सकत । उल्लेंखनीय अछि जे एहि तकनीक क खोज लेल डॉ पाठक कए पिछला साल नोबेल क समतुल्य मानल गेल विश्व प्रसिद्ध पुरस्कार भेटल अछि । एहि तकनीक क प्रयोगशाला क रूप में भारत-बांग्लादेश सीमा पर अवस्थित आर्सेनिक ग्रस्त दूटा गाम कए चुनल गेल छल, जाहि ठाम इ तकनीक सफलता स काज क रहल अछि । श्री पाठक कहला जे आब सुलभ इ तकनीक आम लोक कए समर्पित करबा लेल तैयार अछि । करीब 12 लाख टका स तैयार एहि प्लांट स मात्र 50 पाइ प्रति लीटर क दर स शुद्ध पेयजल उपलब्ध भ सकत । उल्लेखनीय अछि जे एखन आम जनता कए एक लीटर शुद्ध पेयजल 12 से 15 टका मे भेटैत अछि । सुलभ जल क प्लांट लगला स एक लीटर बोतलबंद पेयजल मात्र 5 टका मे उपलब्ध भ सकत । डॉ पाठक कहला जे सुलभ मात्र तकनीक प्रदान करत, एहि प्लांट क संचालन स्थानीय समिति या समूह क हाथ रहत, किया त सुलभ सिद्धांतत: जल बेचबाक खिलाफ अछि । डॉ पाठक कहला जे मोदी सरकार आइ सूचिता पर बहुत ध्यान द रहल अछि । मिथिला क एकटा पहचान एकर सूचिता रहल अछि । सूचिता लेल शौचालय बहुत जरुरी अछि । सुलभ आंदोलन आइ एहि मे अपन योगदान द रहल अछि । सस्ता स सस्ता शौचालय बनेबाक तकनीक विकसित क सुलभ गरीब स गरीब लोक कए इ सुविधा मुहैया करेलक अछि । सुलभ क कोनो तकनीक पेटेंट नहि अछि, सुलभ जे खोज केलक अछि ओ अहां सबहक छी । डॉ पाठक कहला जे आइ सुलभ करीब 8 हजार सार्वजनिक शौचालय क निर्माण क ओकर संचालन क रहल अछि । दरभंगा मे सुलभ दुनियाक सबस नव आ सबस सुसज्जित सार्वजनिक शौचालय क निर्माण लेल तैयार अछि । नगर निगम अगर जमीन उपलब्ध करा देत त सुलभ अंतरराष्ट्रीय स्तर क सार्वजनिक शौचालय दरभंगा मे बनेबा लेल तैयार अछि ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Bahut nik samad Del.Dhamybad E samad or Pathakji dunu ke.