• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा लेक डेवलपमेंट प्रोजक्‍ट कए राज्‍य सरकारक मंजूरी

September 10, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

केंद्र स मंजूरी लेल पठाउल गेल 14 करोड क योजना
दरभंगा।
पग-पग पोखरि माछ-मखान स प्रख्‍यात दरभंगा लेल आइ पोखरि मात्र दुर्गंध क जगह बनि गेल अछि। कई सौ पोखरि त शहर स पिछला 20 साल मे गायब भ चुकल अछि। शहर स लुप्‍त भ रहल पोखरि कए बचेबाक संगहि दुर्गंध दैत पोखरि क सौंदर्यीकरण लेल सेहो प्रयास शुरू अछि। सरकार तक इ मांग पहुंचबा मे देर जरूर भेल, मुदा काफी प्रयासक बाद तैयार भेल दरभंगा लेक डेवलपमेंट प्रोजक्‍ट कए राज्‍य सरकार एक झटका मे मंजूरी द देलक। एहि प्रस्‍ताव कए आब मंजूरी लेल केंद्र लग पठाउल गेल अछि। केंद्र स मंजूरी भेटलाक बाद एहि पर काज शुरू भ जाएत। दरभंगा शहरक स्‍वरूप निर्धारण मे इ परियोजना काफी महत्‍वपूर्ण योगदान दैत। एहि परियोजना कए पूरा भेला स जतए दरभंगा कए पुरान पहचान भेटत, ओतहि पर्यटनक क्षेत्र मे सेहो शहर लंबा छलांग लगा सकैत अछि। दरभंगाक विधायक संजय सरावगी के अनुसार 14 करोड 30 लाख टकाक एहि परियोजना कए केंद्र क मंजूरी भेटबाक पूरा संभावना है। एहि योजनाक तहत शहरक तीनटा मुख्‍य पोखरि हराही, दिग्‍घी आ गंगासागर कए सौंदर्यीकरण कैल जाएत। ओ कहला जे एहि परियोजनाक तहत एहि तीनू पोखरि कए सबस पहिने प्रदूषणमुक्‍त कैल जाएत, ओकर बाद एकर चारूकात पार्कनुमा टहलबा योग्‍य पथ, नौकाविहार आ जलक्रिया स संबंधित आयोजन स्‍थलक निर्माण कैल जाएत। ओ कहला जे ओ एहि परियोजना कए तैयार करेबा लेल बहुत मेहनत केलथि अछि आ शहर क विकास लेल ओ जी जान स लागल छथि। ओ कहला जे हुनकर इ सबटा प्रयास दरभंगा कए आन महानगर सन बनेबाक सपना कए पूरा करबा लेल अछि। ओ कहला जे दरभंगा एकटा विकसित शहर छल आ एकरा फेर स ओहि रूप मे अनबा लेल ओ एक- एक डेग बढा रहल छथि। ओ कहला जे हुनक प्रयास स राज्‍य सरकार पहिने राज शमसान माधेश्‍वर परिसर लेल छह करोड आ लक्ष्‍मीविलास पैलेस झील लेल दू करोड टका आवंटित क देलक अछि। एहि दूनू ठामक सौंदर्यीकरण लेल डीपीआर तैयार भ रहल अछि। उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि जे अगिला साल एहि परियोजना पर काज शुरू भ जाएत। ओ कहला जे दरभंगा मेडिकल कॉलेज आ अस्‍पताल क सौंदर्यीकरण लेल सेहो राज्‍य सरकार टका देलक अछि। जाहि स मेडिसिन वार्ड परिसर मे कैफेटेरिया क निर्माण कैल जाएत। एहि लेल करीब दू करोड टका देल गेल अछि। मेडिकल कॉलेज मे जल-जमाव आ गंदगी कए खत्‍म करबा लेल पार्क आ अन्‍य आधारभूत संरचना लेल प्रयास कैल जा रहल अछि। स्‍थानीय विधायक कहला जे दरभंगा क विकास लेल राज्‍य पर्यटन विभाग आ मुख्‍यमंत्री शहरी विकास योजनाक तहत टका क प्रावधान कराउल जा रहल अछि। उम्‍मीद अछि एहि सब परियोजना कए पूरा भेला पर शहरक लोक कए मनोरंजन लेल कईटा स्‍थान उपलब्‍ध भ सकत संगहि शहर कए एकटा नव स्‍वरूप आ पहचान भेटत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार स घटल मजदूर क पलायन

Esamaad Epaper Website

बिहार मे खेती लेल अलग स ट्रांसमिशन लाइन

मैथिली मोजिल्लाक भविष्य एकर प्रयोक्तासब पर निर्भर करैत अछि : राजेश

Comments 1

  1. Prakash Kumar Jha says:
    13 years ago

    Neek samaad. Ummeed achhi je yojna dharatal par utarat.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि