दरभंगा। विधान पार्षद सह विधान मंडल स जेडआरयूसीसी क नामित सदस्य प्रो. विनोद कुमार चौधरी दरभंगा जंक्शन क निरीक्षण केलथि। ओ दरभंगा-जंक्शन क समस्या कए 29 दिसंबर कए पटना मे आहूत जेडआरयूसीसी बैसार मे अपन गप रखतथि। निरीक्षण क उपरांत श्री चौधरी कहला जे एहि ठाम यात्री लेल सुविधा नदारत अछि। प्लेटफार्म संख्या तीन आ चारि पर छज्जा एखन तक नहि बनि सकल अछि। कई ठाम पैघ पैघ गढ्डा अछि। प्लेटफार्म क सफाई पर ओ कहला जे जखन पैघ अधिकारी अबैत दथि त प्लेटफार्म कए चमचमा देल जाइत अछि। एखन देखला स त बुझा रहल अछि जे एहि ठाम कहियो कोनो सफाई नहि होइत अछि। ओ कहला जे दरभंगा यात्री मामला मे काफी समृद्ध अछि मुदा मात्र दू या तीनटा टिकट काउंटर खुलल अछि। ओ तत्काल टिकट काउंटर पर आरपीएफ क कब्जा रहबाक गप सेहो स्वीकार केलथि। ओ इ स्वीकार सेहो केलथ्रि जे जेनरल बोगी मे यात्री स टका ल कए सीट देबाक क्रम एखनो जारी अछि। ओ कहला जे ओ बैसार मे एहि सबटा समस्या क अलावा कोच इंडीकेटर, नरपत नगर हाल्ट लेल टिकट आ कईटा आओर मांग रखताह। ओ स्टेशन अधीक्षक स सेहो स्थानीय समस्या कए दूर करबा लेल कहलथि। सबस बेसी आश्चर्य श्री चौधरी कए तखन लागल जखन ओ शौचालय क निरीक्षण करबा लेल पहुंचलाह। ओहि ठाम खुलेआम लोक सब स दू टका क स्थान पर पांच टका मांगल जा रहल छल। श्री चौधरी क विरोध पर किछु लोक कए तीन टका वापस क देल गेल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर