दरभंगा। दरभंगा शहर स मैथिली दैनिक मिथिला आवाज क प्रकाशन शुरू भ गेल। 14 दिसंबर कए स्थानीय महाराजा लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल कॉलेज परिसर में एकर लोकार्पण कैल गेल। लोकार्पण समारोह में नगर विधायक संजय सरावगी आ विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी उपस्थित छलाह। अखबार क लोकार्पण पर अखबार क मालिक आ असम मे शिक्षाक व्यवसाय करनिहार सीएम झा कहला जे टका क लेल इ अखबार कहियो नहि बंद होएत। ओ कहला जे मिथिला कए एकटा मैथिली अखबार आइ भेटल आ शीघ्र एकटा मैथिली भाषाक टीवी चैनल सेहो मिथिला टीवी क रूप मे भेटत। एहि समारोह मे मैथिली अकादमी क अध्यक्ष, दरभंगाक पूर्व आइजी, दरभंगा क मेयर आर कईटा महत्वपूर्ण लोक शामिल छलाह। मंचक संचालन अखबारक क्षेत्रीय संपादक अमलेंदु शेखर पाठक केलथि।
बिहार स प्रकाशित भ रहल एहि पहिल मैथिली दैनिक क लोकार्पण पूर्णत: स्थानीय रहल आ मंच पर दरभंगा शहरक दबदबा देखल गेल। मिथिला क्षेत्र क कोनो सांसद समारोह मे नहि छलाह। बिहार विधानसभा मे प्रतिपक्ष क नेता आ दरभंगा जिला स विधायक अब्दुलबारी सिद्दीकी सेहो एहि लोकार्पण समारोह मे नहि छलाह। जेतबा पैघ इ उपलब्धि छल ओतबा पैघ एकर लोकार्पण नहि रहल। परिसर मे इ आशंका लोक क मुंह स सुनल गेल जे अखबार एकटा शहर बा एकटा जाति विशेष क बनि कए नहि रहि जाए। इ त समय बताउत मुदा कुल मिला कए अखबार जनता क हाथ मे गेला पर जतए एहि अखबार स जुडल लोक क आंखि नोरायल ओतहि जनता इ अखबार पाबि अपन एकटा सपना कए पूरा होइत देखलक। इ’समाद परिवार दिस स शुभकामना।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर
Alpjeewee dainik Mithila Mihir, Swdesh k baad nirantartak sang prakashit Kolkatak Mithila Samadk baad aab Mithilbhumis Mithila Awaz ayal achhi je Milila Rajyk k lel Awaz banat ehi hetu shubhkamna.
akhabark sampadak aa swamee chandramohan Jha hamra kahiyo kahne chhalah je lokarpanme bajayb mudaa ee khabri hamra nahi bhetal(Mithila Samad bala seho khabri nhi kene chhalathi muda Viditjike chhalainhi aa sangme ham ohi din Kolkata gel chhalahun).Dillis lautala par kalkhi net par e news dekhal aa khushee bhel.
Dr. Dhanakar Thakur, Sansthapak, Antarrashtriy Maithili Parishad, National Medicos organisation avam Mithila Rajy Sangharsh Samiti, Sampadak, Maithili Sandesh avam Aaayurvigyan Pragati