नयी दिल्ली। बिसरैत सभ्यता आ संस्कृति कए बचेबाक प्रयास मे लागल मैथिल युवा क संस्था यूथ आॅफ मिथिला आ गैर सरकारी संस्था माटी संयुक्त रूप राजधानी दिल्ली मे शनिदिन मिथिला क लोकप्रिय आ प्रकृति प्रेम क प्रतीक पर्व जुड़ शीतल क आयोजन कैलक। एहि आयोजन मे पैघ संख्या मे मैथिल परिवार शामिल भेल।
अपन तरहक एहि पहिल कार्यक्रम क संयोजक भवेश नंदन झा समय क महत्व कए देखैत तय समय पर कार्यक्रम क शुरुआत कए मैथिली संस्कृतिक लेट लतीफ छवि कए सेहो खत्म करबाक प्रयास केलथि। कर्यक्रम क शुरुआत रामचंद्र झा क स्वागत अभिभाषण स भेल जाहि मे उपस्थित अतिथिगण कए एबाक लेल आभार व्यक्त केल गेल। एकर बाद मंच पर एलाह यूथ आॅफ मिथिला क सचिव अमिताभ भूषण, ओ जुड़-शीतल क संबंध मे लोक कए जानकारी देलथि। इ पर्व कोना मनाओल जाएत अछि, एकर प्राचीनता आ महत्ता पर सेहो ओ प्रकाश देलथि। अमिताभ कहलथि जे कोना आइ हम पश्चिमी सभ्यता क नकल क हुनकर पर्व धूमधाम स मना रहल छी, मुदा अपन संस्कृति बिसरल जा रहल छी।
कार्यक्रम मे मैथिली गीत संगीत क कर्यक्रम सेहो राखल गेल छल। मंच पर गायक विकाश झा आ रश्मि रानी अपन सुर स दर्शक कए मिथिला पहुंचा देलथि। विकाश झा गीतकार सुधीर क रचना डिबिया इजोत बला गाम, हम मैथिल छी आदि गीत गौलथि जखन कि रश्मि जीक विद्यापति लिखित जानकी गीत, सोहर आ आउ आउ पाहुन गाबि लोकक थोपरी पौलथि।
मैथिली लोक संगीत क बीच कार्यक्रम मे उपस्थित लोक अपना स छोट सदस्य कए माटिक टीका लगा कए जुराएल रहू क आशीर्वाद देलथि। कर्यक्रम कए संबोधित करैत पूर्व केंद्रीय मंत्री संजय पासवान कहलथि जे जुड़ शीतल पर्व टा नहि अपितु परंपरा क प्रतीक छी। आजुक दौर मे बहुत लोक एहि पर्व क सम्बन्ध मे नहि जानैत अछि, मिथिला मे सेहो इ पर्व सिमटल जा रहल अछि, अखबार आओर पत्रिका सेहो एहि सम्बन्ध मे कोनो आलेख नहि छपैत अछि, हमरा सब कए एकरा बचेबाक जरुरत अछि। ओतहि बिहार विधान सभा मे भाजपा क मुख्य सचेताक आ विधायक विनोद नारायण झा कहलथि जे हमरा लगैत रहए जे हमर संस्कृति खत्म हेबाक कगार पर अछि मुदा यूथ आॅफ मिथिला सन संस्था जे क काज देखि कए हमर आशंका निर्मूल साबित होएत अछि। ओ कहलथि जे मिथिला शस्त्र लेल नहि शास्त्र लेल विख्यात अछि। कार्यक्रम मे अंत मे जुड़ शीतल क उपयोगिता पर चर्चा करैत कर्यक्रम क संयोजक भवेश नंदन कहलथि जे गोल्बल वार्मिंग क एहि दौर मे एहि पर्व क उपयोगिता आ सार्थकता आर बढि गेल अछि। हम अर्थ आवर क नाम पर ओहि जगह क बत्ती सेहो बंद क दैत छी जतए बिजली कहियो काल आबैत अछि मुदा की हम कहियो भनसा घर स निकलैत ऊर्जा पर गौर केने छी। की कियो कखनो भनसा घर कए आराम देबाक कोशिश करैत अछि। नहि ! मुदा मिथिला क क्षेत्र मे इ परम्परा हमरा एहन करबाक प्रेरणा दैत अछि। ओ कहलैथि जे हम पश्चिमी सभ्यता क नकल करैत टोमाटीना फेस्टिवल मनबैत छी मुदा अपन जुड़-शीतल बिसैर रहल छी, हम गरभा कए अपना रहल छी ,मुदा झिझिया बिसरैत जा रहल छी। एकरा बचेबाक जरुरत अछि आ यूथ आॅफ मिथिला एहि मे लागल अछि।
कर्यक्रम क अंतिम चरण मे लोक मिथिलाक पारम्परिक माछ-भात क आनंद सेहो उठेलथि। कार्यक्रम क मंच संचालन आशुतोष जी केलैथि आ कमलेश किशोर द्वारा धन्यवाद ज्ञापन क बाद कार्यक्रम समाप्ति क घोषणा भेल। एहि अवसर पर भाजपा क राष्ट्रीय सचिव अनिल जैन, वरिष्ठ भाजपा नेता गोपाल झा, बिहार युवा भाजपा क उपाध्यक्ष सरफराज हुसैन, पत्रकार अनुरंजन झा, वीरेंद्र चौधरी, उमेश चतुवेर्दी, दीपक कुमार, अविनाश दास, रौशन कुमार झा वरिष्ठ प्रशासनिक पदाधिकारी प्रभाष दास, आर. एन. झा, अवधेश झा सामजिक कार्यकर्त्ता आमिर खुसरो, क्रांति प्रकाश, केएन झा, राजेश झा, नीरज पाठक, अभिषेक पांडे, रामचन्द्र झा, संजीव सिन्हा, जयराम विप्लव, विजय झा आदि उपस्थित छलाह।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa