पटना। पटना कए महानगर क रूप देबा लेल सरकार लगातार प्रयासरत अछि। पटना शहर क नागरिक कए यातायात क परेशानी स राहत देबा लेल नगर विकास आ आवास विभाग क नवका सचिव एस.सिद्धार्थ कहला अछि जे अगिला साल मार्च तक पटना क सड़क पर करीब 400 एसी बस अनताह। एहि लेल योजना लगभग तैयार अछि आ बस कीनबा लेल आदेश कहियो देल जा सकैत अछि।
सिद्धार्थ क अनुसार मार्च तक बस कए सड़क पर चलैत देख सकैत छी। पटना क संगहि बोधगया मे सेहो 60टा बसे चलेबाक योजना अछि।
जवाहर लाल नेहरू राष्ट्रीय शहरी नवीकरण मिशन क तहत पटना आ बोधगया मे सुगम यातायात लेल सिटी बस सर्विस क खातिर 46-47 करोड़ क योजना स्वीकृत कैल गेल छल। मुदा पहल क अभाव मे राशि रहबाक बावजूद योजना लागू नहि भ पाबि रहल छल। एहन मे राशि घुरबाक खतरा सेहो मंडरा रहल छल।
ओ कहला जे पटना मे ट्रैफिक सिग्नल क योजना पर सेहो काज चलि रहल अछि। हाजीपुर-पटना, फतुहा-पटना क संगहि खगौल आ दानापुर स सेहो बस खुलत। गांधी मैदान स गांधी सेतु क बीच अशोक राजपथ मे पातर सड़क आ भारी ट्रैफिक कए देखैते 24 सीटर छोट बस चलाउल जाएंत, जखनकि अन्य रूट पर 32 सीटर चलत। ओ कहला जे पटना मे सेहो दिल्ली क जेकां रूट कए नंबर देल जा रहल अछि आ बस नंबर क आधार पर चलत।
ओ कहला जे पटना जंक्शन पर विशेष रूप स बस पड़ाव रहत। दोसर वाहन लेल ओहि ठाम प्रवेश-पड़ाव वर्जित रहत। ओ कहला जे कोनो विज्ञापन दाता कए एकरा रखरखाव क शर्त क संग आवंटित कैल जा सकैत अछि।
ओ इ स्वीकार केलाह जे एखन एहन सेवा केवल दूटा शहर मे शुरू कैल जा रहल अछि मुदा आन शहर लेल सेहो शीघ्र निविदा होएत। जेकर बाद दरभंगा,भागलपुर, मुजफ्फरपुर, छपरा सन दोसर शहर मे सेहो एसी सिटी बस सर्विस आरंभ भ सकत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
please add link to facebook