नई दिल्ली। भाजपा सांसद आ मध्यप्रदेश भाजपा क अध्यक्ष प्रभात झा कहला अछि जे ओ दिन आब दूर नहि जखन दिल्ली पर फेर स कोनो मैथिल राज करत। जनजागृती मंच पालम क सप्तम विद्यापति पर्व समारोह कए संबोधित करैत भाजपा नेता कहला जे इ कहब कठिन अछि जे अलग मिथिला राज्य कहिय धरि बनत, मुदा एतबा हम दावा क सकैत छी जे अगिला पांच दस साल मे दिल्ली पर एक बेर फेर मैथिल राज करत। श्री झा कहला जे दिल्ली पहिल उपराज्यपाल आदित्यनाथ झा क बाद कोनो मैथिल दिल्ली क कमान नहि पाबि सकल, मुदा दिल्ली क पंजाबी आ जाट समाज इ मानबा लेल तैयार अछि जे बहुत जल्द दिल्ली क राजनीति मे बिहार क दबदबा चरम पर पहुंचत आ कोनो मैथिल क हाथ एक बेर फेर दिल्ली क कमान होएत। श्री झा कहला जे मिथिला आ मध्यप्रदेश क बीच ओ एकटा सेतु छथि आ दूनू एक दोसर से जुडल अछि। भारती आ कालीदास सन मैथिल क मध्यप्रदेश स संबंध हेबाक चर्च करैत श्री झा कहला जे ज्ञान मिथिला मे जा कए सब कए भेट जाइत अछि आ एकर कईटा प्रमाण अछि। ओ मैथिल सब कए मध्यप्रदेश क धार्मिक स्थान क भ्रमण करबा लेल आमंत्रित सेहो केलथि। पालम(द्वारका) क दादादेव मेला ग्राउंड मे भेल एहि कार्यक्रम क मुख्य आकर्षण मिथिलाक सांस्कृतिक झाँखी, पारम्परिक लोक नृत्य, विद्यापति रचित गीत, लोक गीत रहल जे मिथिलाक चिर–परिचित कलाकार सब प्रस्तुत केलथि। विजय कुमार झाक संरक्षण मे आयोजित भेल एहि समारोह मे मंच संचालन मैथिली क सर्वश्रेष्ट उदघोषक मनोज पाठक केलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna