पटना । कोंकण रेलवे क बाद पटना स हाजीपुर क बीच बनल दीघा रेल ब्रिज पर रोल ऑन रोल ऑफ सेवा शुरु भ गेल अछि। गंगा नदी पर 4.56 किलोमीटर लंबा एहि रेल ब्रिज स मालगाडी पर ट्रक क आवागमन आसान भ गेल। एकर संगहि उत्तर स दक्षिण बिहार क संपर्क सेहो सीधा बनि गेल। आब ट्रक कए मोकामा तक चक्कर लगेबा स मुक्ति भेट गेल। रेल मंत्री सुरेश प्रभु रोल ऑन रोल ऑफ सेवा क शुरुआत त रेल भवन स वीडियो कांफ्रेंसिंग क जरिए बुधदिन केलथि, मुदा सुचारू आइ स भेल। पहिल दिन मालगाड़ी पर 44 ट्रक लोड क उत्तर बिहार ल जैल गेल।
पटना क बिहटा स मुजफ्फरपुर क तुर्की तक रेक जा रहल अछि। कुल 88 किलोमीटर क दूरी रेलमार्ग स पार कर ट्रक कए फेर स रोड पर उतार कए आगू ल जैल जाायत। एक रेक सब दिन 3 ट्रिप लगा रहल अछि। इ सेवा शुरू भेला स कारोबरी कए टका मे सेहो बचत भ रहल अछि।
एहि सेवा स छपरा सेहो नव रूप मे विकसित होएत। आब गोरखपुर, मुगलसराय या झाझा मे सामान उतारि कए सड़क मार्ग स अनबाक जरूरत नहि रहत। आब सीधा सोनपुर बा छपरा मे उतारल जायत।