नई दिल्ली | बिहार मे केंद्रीय विश्वविद्यालय आब मोतिहारी आ गया दूनू शहर मे खुलत। एहि पर केंद्र आ राज्य सरकार क बीच चलि रहल गतिरोध समाप्त भ गेल। मोतिहारी आ गया दूनू ठाम मे स एक ठाम मुख्यालय होएत आ दोसर ठाम परिसर। कतए मुख्यालय आ कतए परिसर एहि गप कए तय करबा लेल केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल जल्द बिहार जेताह आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग बैसार क अंतिम फैसला लेताह। ओना बिहार क शिक्षा मंत्री पीके शाही क कहब अछि जे केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच भेल बैसार मे सबटा गप तय भ चुकल अछि। आब केवल घोषणा बाकी अछि जे केंद्रीय विश्र्वविद्यालय क प्रशासनिक भवन कतए स्थापित कैल जाएत आ कुलपति क कार्यालय कतए राखल जाएत? शाही कहला जे बिहार सरकार केंद्रीय विश्र्वविद्यालय लेल मोतिहारी आ गया दूनू ठाम मुफ्त जमीन उपलब्ध करा देलक अछि। इ पूछला पर जे की राज्य सरकार प्रशासनिक भवन गया मे बनेबा लेल तैयार अछि? शाही कहला जे हम चाहब जे ओ मोतिहारी मे बनए, किया कि 2010 मे सबस पहिने केंद्र ओतहि केंद्रीय विश्र्वविद्यालय खोलबाक संबंध मे सहमति देने छल। हालांकि इ कोनो बहुत पैघ मसला नहि अछि। बिहार मे केंद्रीय विश्र्वविद्यालय क विवाद पिछला कई मास स केंद्र आ राज्य सरकार क बीच प्रतिष्ठा क प्रश्न बनल छल। जे आब खत्म भ गेल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
एकरा कहै छै लिज्झर लगेनाइ ।
एकरा कहै छै लिज्झर लगेनाइ ।
ग्रीष्मकालीन राजधानी पटना मे आ शीतकालीन राँची मे ।
आ तहिना ग्रीष्मकालीन राजधानी काश्मीर मे आ शीतकालीन जम्मू मे ।
मुदा वर्तमान बिहार क दोसर पोघ शहर भागलपुर तेसर मुजफ्फरपुर आ चारिम दरभंगा में किछु नहीं खुजाय कारण ओ मिथिलामे रहबे करत आ जेना सिंदरी, नेतार्हत आदि झारखण्ड के भेटी गेलिक ई सब बिहारमें रही जाओ
दुखद स्थिति अछि मिथिलाक नेता आ छात्र समुदायक