दरभंगा। आनंदबाग पैलेस स्थित दरबार हॉल आब दुनिया भरि लोक देखत। दूरदर्शन क नजरि एकर सुंदरता पर ठहरि चुकल अछि। शीघ्र एहि हॉल मे दूरदर्शन अपन शास्त्रीय संगीत क कार्यक्रम रिकार्ड करत। किछु साल पहिने तक दरबार हॉलक दशा देख लोक इ उम्मीद छोडि चुकल छल जे एहि मे कोनो संगीत क कार्यक्रम देखबा लेल भेटत। मुदा इसमाद एकर पुरान रूप बरकरार रखबा लेल लगातार मुहिम चलेलक आ एहि साल एहि हॉल मे कईटा संगीत कार्यक्रम भ चुकल अछि। दरभंगाक दरबार हॉल करीब 25 साल जखन ध्रुपद स गुंजमान भेल त एकर थाप दूर तक सुनाई देलक। दूरदर्शन क महानिदेशक त्रिपुरारी शरण क बिहार क कला-संस्कृति क संरक्षण-संवर्द्धन क संगहि एकरा नव ऊंचाई देबाक उद्देश्य स दूरदर्शन पटना कए श्रोता क समक्ष जीवंत कार्यक्रम क संग पहुंचबाक निर्देश देलथि अछि। हुनक एहि आकांक्षा कए जमीन पर उतारबा लेल दूरदर्शन पटना क निदेशक कृष्णदेव कल्पित जुटि गेलाह अछि। ओ एकर कमान दूरदर्शन पटना क कार्यक्रम अधिशासी राजकुमार नाहर कए सौप देलथि अछि। एकर बाद दरभंगा पहुंचल श्री नाहर कहला जे आमंत्रित श्रोता क समक्ष बिहार क कला आ संस्कृति पर केंद्रित कार्यक्रम क प्रस्तुति क योजना बनाउल गेल अछि। आनंदबाग पैलेस स्थित कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क दरबार हॉल मे 19 मई कए निदेशक श्री कल्पित क निर्देशन मे ध्रुपद समारोह क आयोजन कैल जाएत। श्री नाहर कहला जे एहि मे बिहार क कलाकार कए शामिल कैल जाएत। एहि आयोजन क माध्यम स बिहार क कला-संस्कृति कए निखारबाक संगहि एहि क्षेत्र मे एकर विशिष्ट पहचान कए राष्ट्रीय आ अंतर्राष्ट्रीय क्षितिज पर प्रतिष्ठित करबाक प्रयास होएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper