देवघर । बाबा वैद्यनाथ क दर्शन करबा लेल आब हवाई जहाज स सेहो जा सकैत छी। बहुत जल्द देवघर स हवाई सेवा संभव भ जाएत। देवघर में एयरपोर्ट निर्माण कए मंजूरी भेट गेल। एयरपोर्ट ऑथोरिटी ऑफ इंडिया क एमओयू क प्रस्ताव झारखंड राज्य मंत्री परिषद पास करि देलक। झारखंड नागर विमानन विभाग क सचिव विजय कुमार सिंह एएआइ क अध्यक्ष कए एमओयू लेल आमंत्रित करि देलथि अछि। राज्य सरकार कहलक अछि जे जल्द एमओयू भ जाएत आ ओकर बाद देवघर स्थित कुंडा हवाई अड्डे कए मॉर्डन हवाई अड्डा बनेबाक काज शुरू करि देल जाएत। केंद्रीय योजना आयोग देवघर में एयरपोर्ट निर्माण लेल पहिने स बजट में 300 करोड़ क राशि क प्रावधान करि रखने अछि। झारखंड सरकार सेहो एकरा लेल 50 करोड़ खर्च करबाक स्वीकृति देने अछि। जानकारी क अनुसार एकरा लेल 728.41 एकड़ जमीन विकसित होएत। ज्ञात हुए जे सांसद निशिकांत दुबे देवघर में एयरपोर्ट लेल योजना आयोग कए लिखने छलाह, राज्य सरकार स पत्राचार केने छलाह। सांसद क पहल पर योजना आयोग टीम पठेने छल, एएसआइ क टीम क रिपोर्ट क बाद योजना आयोग 300 करोड़ क प्रावधान बजट में रखलक। आइ बिहारक भागलपुर हवाई अडडा लेल सेहो एहने प्रयासक जरूरत अछि, मुदा नहि भ रहल अछि।
esamaadak khabari ke motabik Mithilak Purnea aa Darbhanga sa seho hawaii jahajak parichalan October sa hebak gapp chhal, muda ke bhel se nahi pata.
Devghar se ta chalu bha gelay muda Darbhanga & Purnea se kahiya chalu hotai…….