पटना । कहियो आइटी वाइटी लेल जानल जा रहल बिहार आब आइटी क क्षेत्र मे पैघ डेग उठा रहल अछि। आइटी पार्क क सुगबुगाहट क बीच सरकार देशक सबस पैघ वाई- फाई नेटवर्क पटना मे स्थापित करबाक फैसला लेलक अछि। दानापुर स एनआइटी तक इ वाई- फाई सुविधा लोक कए नि:शुल्क उपलब्ध भ सकत। एखन देश मे एतबा पैघ क्षेत्र मे वाई- फाई सुविधा कोनो शहर मे नहि अछि। जानकारक कहब अछि जे दुनिया मे सेहो पटना एहि मामला मे विशेष स्थान बना लेत। आइटी क राजधानी कहल जा रहल बेंगलुरु मे सेहो केवल एक किमी क्षेत्र मे इ सुविधा देल गेल अछि, जखन कि चीन मे 3.5 किमी क्षेत्र मे इ सुविधा अछि । पटना मे इ सुविधा लगभग 20 किमी क्षेत्र मे देबाक तैयारी भ रहल अछि। एकर परीक्षण 19 फरवरी कए पटनाक गांधी मैदान मे होएत। आइटी सचिव एनके सिन्हा एहि संबंध मे कहला अछि जे एहि काज कए जल्द स जल्द पूरा करबाक जिम्मेदारी बेलट्रोन कए सौंपल गेल अछि। सुविधा उपलब्ध भेलाक बाद आम जनता लेल एकबेर एकर निबंधन जरूरी होएत। वाई- फाई लेल विशेष पेज पर अपन मोबाइल नंबर आ नाम दर्ज कराउल जाएत। ओकर बाद उपभोक्ता कए एकटा पीन देल जाएत। पीन क प्रयोगक 30 मिनट बाद इ सुविधा मोबाइल फोन या कंप्यूटर पर उपलब्ध भ जाएत। एहि सेवा लेल सरकार कोनो प्रकारक शुल्क नहि लेत। हाल मे एहि सुविधाक जानकारी देबा लेल मुख्यमंत्री आवास मे प्रस्तुति देल गेल। एहि पूरा परियोजना पर कुल 3 करोड़ टका खर्च होएत। आशा कैल जा रहल अछि जे इ सुविधा एहि साल पटनाक जनता कए भेट जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
That’s a great news.
bahut nik