• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

देश क किसान कए संबोधित करतथि किसान चाची

March 8, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

lf01__Kisaan_Chachi_671184e

महिला दिवस पर विशेष : मिथिला मे महिला किसानी क पहचान छथि राजकुमारी देवी

नई दिल्‍ली । हालात बदलैत आओर जीरो स हीरो बनबाक  कहानी मुश्किल ज़रूर होयत अछि, मुदा असंभव नहि । एहन कहानी सेहो एहि जमीन पर कहियो-कहियो  हकीकत क रूप ल लैत अछि। ओना देखल जाए त खेती-बाड़ी क काज पुरुष क लेल मानल जाएत अछि, ,मुदा बिहार क मुजफफरपुर मे ‘किसान चाची’ क नाम स मशहूर भेल राजकुमारी देवी आइ खेती क कए पूरा मिथिला क नाम रोशन क रहल छथि। बिहार मे खेती क माध्‍यम स कामयाबी क परचम लहरा देनिहारि राजकुमारी देवी कए ग्रामीण विकास मंत्रालय आमंत्रित केलक अछि। । नेशनल इंस्टीच्यूट आफ टेक्निकल टीचर ट्रेनिंग एंड रिसर्च मे अपन संबोधन लेल  चंडीगढ़ गेलथि अछि। ओहि ठाम ओ छात्र आओर किसान कए कृषि क बारे मे जानकारी देतीह । मंत्रालय हुनका दू दिवसीय सेमीनार मे कृषि स जुडल अनुभव कए बांटबाक लेल आमंत्रित केलक अछि । हालांकि पूरा  देश स डेढ़ सौ किसान ओहि ठाम जुटल अछि , मुदा किसान चाची क संबोधन लेल सब बाट तकैत छथि।  बिहार स एकमात्र किसान चाची क चयन उक्त सेमीनार क लेल कैल गेल अछि। चंडीगढ़ जेबा स पूर्व हाजीपुर स्टेशन पर किसान चाची पत्रकार सब स कहलथि जे  ई-मेल क माध्‍यम स हुनका एकर सूचना भेटल छल। ओ कहलथि जे सेमिनार क लेल ओ कोनो खास तैयारी नहि  केलैथि अछि। जतय अनुभव हुनका लग अछि बस ओतबे टा ओ कहतथि। ओ कहलथि जे हुनकर अनुभव महिला लेल विशेष रूप स उपयोगी होएत। हमर अनुभव स महिला सेहो कृषि क प्रति जागरूक भ सकैत छथि।

ज्ञात हुए जे किसान चाची राजकुमारी देवी कए खेती आओर कुटीर उद्योग  लेल कईटा सम्मान भेट चुकल अछि। बिहार एग्रीकल्चर मैनेजमेंट एण्ड एक्सटेंशन ट्रेनिंग इन्स्टीच्यूट (बामेति) क निदेशक कहला अछि जे एकरा लेल बिहार सरकार सेहो हुनका ‘किसान श्री’ स सममानित केलक अछि। हुनका सरैया कृषि विज्ञान केन्द्र क सलाहकार समिति क सदस्य आ राष्ट्रीय खाद्य सुरक्षा मिशन क सदस्य सेहो बनाउल गेल अछि।

पिछला साल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हुनकर घर गेल रहथि आओर हुनकर मेहनत आ लगन स प्रभावित भेल रहथि। राजकुमारी कहैत छथि जे कईकटा  कंपनी हुनकर उत्पाद कए बाजार मे आनबा लेल प्रस्‍ताव देलक अछि, मुदा मुख्यमंत्री ओ सब उत्पाद कए ‘किसान चाची’ क नाम स प्रदेश मे बेचबा क घोषणा केलैथि अछि । हुनकर बनाउल अचार, मुरब्बा, जैम, जेली क सुधा डेयरी आब बिहार क बाजार मे पहुंचेबाक व्‍यवस्‍था क रहल अछि।

56 साल क राजकुमारी देवी कए किसान चाची बनबा मे काफी लंबा बाट तय करए पडल अछि। ओ रोज 30-40 किलोमीटर क सफर साइकिल स तय करैत छथि। पिछला 21 साल स सब दिन साइकिल पर सवार भ कए ओ गाम दिस निकैल छथि जतय ओ महिला कए खेती क गुर सिखबैत छथि। एहि कारण स आसपास क कईटा जिला हुनका ‘किसान चाची’ क नाम स जानैत अछि, जतय हुनकर अचार, मुरब्बा, सॉस जेहन खाद्य वस्तु  बनेबा क प्रशिक्षण कार्यक्रम चलैत रहैत अछि । अपन गाम आनंदपुर मे ओ 40 टा स बेसी स्वयं सहायता समूह बनने छथि जाहि मे 350 महिला बकरी, मुर्गी, भैंस आओर मधुमक्खी पालन सन उद्योग स जूडि कए अपना आप कए आर्थिक रूप स मजबूत बना रहल अछि।

राजकुमारी उर्फ ‘किसान चाची’ 19 साल क छलीह, जखन हुनकर माए -बाप हुनक बियाह करा देलथि। कम उम्र मे बियाह, बच्चा आओर फेर सासुर क कायदा-कानून झेलब हुनका लेल मुश्किल भ गेल। ताहि पर सउस सौतेली भेटलीह । जखन दोसर बेटी सुप्रिया क जन्‍म भेल, त सास घर बांटि कए अलग क देलथि। पति किछु करैत नहि रहथि, स पेट मे अन्‍न लेल आफत भ गेल।

राजकुमारी कहैत छथि, ‘हम अपन पिता स पढ़बाक इच्छा प्रकट केलहुं ताकि परिवार क जिम्मेदारी उठ सकए । बियाह क छह साल बाद हम नैहर जा कए मैट्रिक पास केलहुं।’ घर क बंटवारा मे राजकुमारी आओर हुनकर पति क हिस्स मे एक एकड़ जमीन आएल, जाहि पर इ सब आदी आओर पपीता क खेती शुरू केलैथि।

राजकुमारी क लगन आओर जुनून पर सबस पहिने सरैया प्रखंड मे कृषि वैज्ञानिक केंद्र पर काज क रहल वैज्ञानिक ज्योति सिन्हा क ध्‍यान गेल आओर हुनका प्रशिक्षण लेल राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय, पूसा पठा देलथि। किछु दिन बाद स ओ अपन प्रयोग स पपीता, लीची, गुलाब आदि स अलग-अलग पदार्थ बनेबा मे दक्ष भ गेलथि। कृषि-प्रदर्शनि क हिस्सा भ गेलथि। कई साल क मेहनत क बाद हुनकए प्रोडक्ट्स कए मांग बढै लागल।

राजकुमारी देवी कहैत छथि जे बियाह क किछु साल बाद हुनकर ससुर जखन हुनकर पति कए अलग क  देलैथि त हिस्सा मे भेटल ढाई एकड़ जमीन कए उपज स परिवार चलब  कठिन छल। मुदा आइ समय बदलि गेल अछि। आइ जखन देश क किसान आत्महत्या करबा लेल मजबूर अछि एहन मे राजकुमारी ऊर्फ किसान चाची बिहार टा नहि अपितु पूरा  देश क किसान  लेल एकटा रोल मॉडल बनि गेल छथि। जाही स सीख ल कए हिन्दुस्तान क किसान अपन किस्मत बदलि सकैत अछि आओर खुशहाल भए सकैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे स्थापित होएत सातटा औद्योगिक पार्क

धरोहर क रक्षा क प्रति सरकार कटिबद्ध : मांझी

नीतीश क मीडिया या मीडिया क नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि