सहरसा । अनुसूचित जाति-जनजाति कल्याण मंत्री आ जिला क प्रभारी मंत्री जीतन राम मांझी कहला अछि जे कोसी क्षेत्र मे दर्जन भरि एहन ऐतिहासिक आ पुरातात्विक महत्व क स्थल अछि, जे पूरा देश कए आकर्षित क रहल अछि। एहन आयोजन स हम अपन ओ धरोहर क संरक्षण आ संवर्द्धन क सकब । सरकार एहन धरोहर क रक्षा आओर राज्य क विकास क प्रति कटिबद्ध अछि।
कोसी महोत्सव क उदघाटन केलाक बाद जनसमूह कए संबोधित करैत ओ कहला जे कोसी महोत्सव जेहन आयोजन हमर गौरवशाली संस्कृति, ऐतिहासिक धरोहर, पूर्वज क संस्कार अक्षुण्ण राखय मे बड़ भूमिका अदा करि सकैत अछि। अपन सभ्यता आ संस्कृति क कारण भारत सोंसे दुनिया मे विश्व गुरु क नाम से जानल जाएत अछि। मुदा, पश्चिमी सभ्यता क प्रभाव मे हम सब अपन संस्कृति आ संस्कार बिसरल जा रहल छी। मांझी कहलथि जे ओ सौभाग्यशाली छथि जे हुनका एहि आयोजन मे शामिल हेबाक गौरव प्राप्त भेल । एहि मौका पर कोसी दर्पण स्मारिका क विमोचन सेहो कैल गेल ।
ज्ञात हो जे मिथिला क कोसी क्षेत्र क समृद्ध सांस्कृतिक विरासत आ ओकर विशिष्टिता स आमजन कए परिचित करेबा आ पर्यटक कए प्रवाह कए बढ़ेबा लेल राष्ट्रीय मानचित्र पर कोसी क सुंदर स्वरूप कए निखारबा क लेल कोसी महोत्सव क वार्षिक आयोजन 2002 मे शुरू कैल गेल छल। 2008 मे कोशी महोत्सव क बिहार सरकार क पर्यटन कैलेण्डर मे शामिल कैल गेल।
कार्यक्रम क संचालन मुक्तेश्वर मुकेश केलथि। डीएम सतीश चंद्र झा सेहो उपस्थित लोग सबकए अभिवादन केलथि। सभा कए प्रमंडलीय आयुक्त विमलानंद झा, विधायक डॉ. अरुण कुमार, डॉ. आलोक रंजन, जदयू जिलाध्यक्ष धनिकलाल मुखिया, भाजपा जिलाध्यक्ष राजीव रंजन संबोधित केलथि।
उदघाटन समारोह क भव्य बनेबा लेल सहरसा क नाट्य-नृत्य संस्था स्वरांजलि द्वारा स्वागत गान आ होली गीत गाउल गेल। कार्यक्रम क अगिला कड़ी मे मुंबई क स्थापित पार्श्व गायिका तृप्ति शाक्या आ हुनकर म्यूजिकल ग्रुप द्वारा रंगारंग कर्यक्रम प्रस्तुत कैल गेल। बता दी जे कर्यक्रम क दोसर दिन यानी 9 मार्च कए आकाशवाणी दरभंगा क कलाकार, क्षेत्रीय कलाकार आ प्रसिद्ध भोजपुरी गायिका नूतन कुमारी नीतू अपन सुर क धार बहौती। एतबे टा नहि असम कए बिहू नृत्य सेहो होएत।
एक दिस जतय रंगारंग कर्यक्रम दर्शक कए झुमबा लेल मजबूर कए देलक ओतहि खेल प्रतियोगिता क आयोजन नहि भेला स खिलाडी सब कए किछु निराशा भेटल। एहि आयोजन मे पहिल दिन कबड्डी, फ़ुटबाल आ बेडमिन्टन प्रतियोगिता क आयोजन होइत छल मुदा मधेपुरा आ सुपौल जिला स खिलाड़ी भाग लेबा लेल नहि एलथि। बैडमिन्टन में जतय खाली सहरसा ट़ा क खिलाड़ी भाग लेलैथि ओतहि कबड्डी मे सहरसा क टीम कए दू समूह मे बाटि कए उद्घाटन मैच करा देल गेल । मधेपुरा स जे किछु थोड बहुत फुटबाल क खिलाड़ी आयल छलाह ओ सेहो मैदान स लौटि गेलाह। खिलाड़ी क कहब छल जे 10 बजे स आयल छी मुदा पेयजल क सुविधा तक उपलब्ध नहि अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर