पटना, बोधगया क बाद भागलपुर, पूर्णिया, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, आरा, बिहारशरीफ, बेगूसराय, कटिहार आओर मुंगेर मे चलत सिटी बस कुल 460 बस दौड़त, पहिने पटना आ बोधगया मे चलत 300 बस।
पटना। नबका साल से पटना आ बोधगया मे बहुप्रतिक्षित सिटी बस सेवा चालू भ जाएत। एहि क बाद आन 9 नगर निकाय क लेल सेहो सिटी बस सरपट दौड़य लागत। यानी नववर्ष मे सूबा वासी कए सिटी बस क तोहफा भेटय जा रहल अछि। बस परिचालन क लेल 300 बस खरीदबाक प्रक्रिया पूरा भ गेल अछि। सभटा लो फ्लोर क अत्याधुनिक बस अछि। राज्य मंत्रिपरिषद बस क परिचालन क लेल हरीयर झंडी द देने अछि। नगर विकास वा आवास विभाग क संयुक्त सचिव सह निदेशक जय सिंह बतेलथि कि अगिला एक डेढ़ महीना मे पटना वा बोधगया मे सिटी बस चालू भ जाएत। बस क सही ढंग स रखरखाव वा परिचालन क लेल राज्य सरकार पथ परिवहन निगम स भिन्न एकटा अलग कंपनी क गठन केने अछि। बिहार शहरी ट्रांसपोर्ट कारपोरेशन लिमिटेड (बिहार अरबन ट्रांसपोर्ट कारपोरेशन लिमिटेड) कए रूप मे नबका कंपनी क गठन भेल अछि। नब कंपनी पटना वा बोधगया सहित आन 9टा शहर मे बस क परिचालन करत। बस खरीद स ल कए किराया वसूलबाक काज सेहो नबका कंपनी करत। पहिने नगर विकास वा आवास विभाग पटना आ बोधगया शहर क लेल 460 बस क परिचालन कए निर्णय लेने छल, मुदा ताजा परिस्थिती मे विभाग पटना आ बोधगया समेत 9 निगम मे सिटी बस सर्विस शुरू करबाक निर्णय लेने अछि। जाहि से आब सिटी बस सर्विसेज क बस पटना, बोधगया, भागलपुर, पूर्णिया, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, आरा, बिहारशरीफ, बेगूसराय, कटिहार आओर मुंगेर मे चलत। इ सभ बस केन्द्र सरकार क जवाहरलाल नेहरू शहरी नवीनीकरण मिशन (नुरूम) योजना क तहत चलाओल जाएत। ज्ञात होए कि पटना मे बढ़ैत जनसंख्या आऔर पर्यटन क दृष्टिकोण स बोधगया क महता कए देखैत इ दुनू शहर मे सिटी बस सर्विस शुरू करबाक प्रयास पिछला छह साल स चलि रहल अछि। शुरूआती दौर मे साल 2007 मे पटना नगर निगम क देखरेख मे इ सर्विस शुरू होनाय छल, मुदा अखैन तक इ योजना धरातल पर नहि उतरि सकल। ट्रैफिक क समस्या इ योजना मे पैघ बाधा छल। नगर विकास विभाग क संयुक्त सचिव जय सिंह बतेलथि कि पटना वा बोधगया मे सिटी बस शुरू भेलाक बाद जल्दीये राज्य क आन 9टा नगर निगम मे सिटी बस क परिचालन क प्रक्रिया शुरू कए देल जाएत। पटना वा बोधगया मे 300 बस चलत आऔर शेष 160 बस भागलपुर, पूर्णिया, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, आरा, बिहारशरीफ, बेगूसराय, कटिहार आऔर मुंगेर मे चलत। सूत्र क अनुसार दानापुर स बेली रोड होइत गांधी मैदान, गांधी मैदान स संत माइकल स्कूल होइत दानापुर, महात्मा गांधी सेतु स कंकड़बाग मेन रोड होइत चिरैयाटांड- करबिगहिया-अनीसाबाद आ चितकोहरा रेलवे ओवरब्रिज स हार्डिग रोड होइत जीपीओ गोलंबर तक सिटी बस सेवा सर्विस शुरू करबाक तैयारी चलि रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa