सरिता सुमन/ आशीष झा
दरभंगा। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय प्रशासन आखिरकार नरगौना परिसर में प्रस्तावित पदाधिकारी लेल आवास निर्माण काज कए रोकि देलक अछि। विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी एहि संदर्भ मे कुलपति स बैसार केलथि आ एहि निर्माण कए तत्काल रोकबा लेल कहलथि। एकर बाद विश्वविद्यालय प्रशासन एहि निर्माण काज कए रोकबाक आदेश देलक अछि। ज्ञात हुए जे इ’समाद एहि निर्माण पर सवाल उठेने छल। नरगौना क सामने पदाधिकारी लेल प्रस्तावित आवासक शिलान्यासक बाद एहि मामला कए उठेबाक मात्र एकटा कारण छल जे एहि ठाम आवास बनबा स पैलेस क सुंदरता खत्म भ रहल छल। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक सिनेट लेल विधान मंडल दिस स सदस्य मनोनीत भेलाक बाद श्री चौधरीक कुलपति संग भेल एहि पहिल बैसार मे इ मामला छायल रहल। ज्ञात हुए जे एक मार्च कए विनोद चौधरी कए लनामिविवि आ रुदल राय कए कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय क सिनेट लेल मनोनीत कैल गेल अछि। श्री चौधरी कुलपति स परिसर मे भ रहल असंगत निर्माण पर घोर आपत्ति दर्ज केलथि। ओ कहला जे एहन कोनो निर्माण परिसर मे नहि कैल जाए जाहि स पुरान भवन या महलक सुंदरता प्रभावित भ रहल हुए। एकटा मैथिली चैनलक संग भेंट मे श्री चौधरी कहला जे कामेश्वर नगर क स्वरूप कए बना रखबा लेल ओ सतत प्रयास क रहल छथि। एहि परिसर कए रख रखाव लेल सरकार पांच करोड टका देलक अछि जाहि स एकरा पुरान स्वरूप में रखबा मे मदद भेटत। श्री चौधरी विश्वास देलथि जे परिसर मे कोनो प्रकारक एहन निर्माण नहि कैल जाएत जाहि स परिसरक शोभा खराब हेबाक आशंका हुए। श्री चौधरी कहला जे पर्यावरण क ख्याल राखि कए आगूक कोनो निर्माण कए मंजूरी देल जाएत। दरभंगा स्नातक क्षेत्र स विधान परिषद लेल चुनल गेल श्री चौधरी कहला जे नरगौना कए संरक्षण लेल ओ कुलपति और सरकार संग आगू सेहो बैसार करैत रहब।
बहुत नीक समाद ।
एहि आन्दोलन केँ आओरो सफलता भेटौक से कामना ।
Namste Asish ji,
You did fanstatic job if they have stopped construction.
Kila could the best monumnet of Bihar. i was student of Travel & Tourism and visited approx all top monument and i am sure if goverment will take tghe initiative to demolish Constructed home in Darbhanga Kila then we can promote to Mithila Tourism
thanks again
Vidhan jha