• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नव जोश, पुरान लक्ष्‍य

November 8, 2012
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कोना बिसरब 9 नवंबर क तारीख। ओना त 14 जनवरी कए इ अखबार नेट पर आयल अछि, मुदा मुदा 9 नवंबर एहि अखबार लेल एकटा खास दिन अछि। 9 नवंबर कए एकर स्वरूप मे बदलाव आयल आ इ एकटा ब्‍लाग स स्‍वतंत्र साइट अर्थात डॉट कॉम बनि अहांक सामने अछि। दिल्‍ली क प्रेस क्‍लब में भागलपुर क सासंद शाहनवाज हुसैन मैथिली क पहिल इपेपर कए लोकार्पित केलथि। वरिष्‍ठ पत्रकार शिवनाथ झा आ अमिताभ अग्निहोत्री क आशिर्वाद हमरा सब कए आगू बढबा मे सहायक भेल। ब्‍लाग स साइट मे बदलाव तकनीक रूप स जरूरी छल। ओना इसमाद क लक्ष्य मे कोनो बदलाव नहि आयल अछि आ इ एखनो बिहारक विकास लेल जमात तैयार करबाक अपन काज जारी राखने अछि। इसमाद पिछला चारि साल मे बिहारक विकास स जुडल कईटा समाद आन गोटे स पहिने अहां तक पहुंचेलक। जे समाचार कए अखबार क पन्‍ना मे जगह नहि भेटैत छल आ जेकरा लेल समाचार चैनल लग समय नहि छल, ओहन समाद कए हम प्रमुखता स अहां सबहक समझ रखलहुं। एक दिस जतए पैघ-पैघ औद्योगिक घराना सब मीडिया मे कूदल अछि आ सौ स हजार करोड तक क निवेश स मीडिया ब्रांड ढार भ रहल अछि, ओहि ठाम हमर सामर्थक चर्च करब व्‍यर्थ अछि। अल्‍प संसाधन आ पैघ लक्ष्‍य ल जखन इ शुरू केने रही त एकटा सपना देखने रही आ लोक कए सेहो सपना देखेबाक कोशिश केने रही।
बिहार मे समाचारक नाम पर केवल घोटाला, अपराध आ राजनीतिक आरोप-प्रत्‍यारोप छपैत छल। अखबार एकटा धंधा बहुत पहिने बनि गेल अछि एहन मे बिहारक किछु पत्रकार क इ दावा जे बिहार मे खून बिकाइत अछि आ अखबारक प्रसार बढेबा लेल अपराध कए प्रमुखता देब मजबूरी अछि, हमरा सब कए स्‍वीकार नहि छल। टूटल सडक, अपराध आ असभ्‍य समाज बिहार क नाम पर दुनियाक सामने परोसल जा रहल छल। कोनो समाज मे नीक आ अधलाह दूनू क्रिया होइत अछि, मुदा बिहार एकटा पैघ समय एहन देखलक जाहि मे ओकर नीक काज दिस कियो देखबाक कोशिश नहि केलक। समाचाक अर्थ स देखल जाए त सामान्‍य भ चुकल घटना समाचार नहि मानल जाइत अछि। जेना कुत्‍ता आदमी कए कटलक समाचार नहि कहल जाइत अछि, मुदा आदमी कुत्‍ता कए कटलक इ समाचार कहल जा सकैत अछि। बिहार मे अपराध, घोटाला आ रंगदारी सामान्‍य घटना भ गेल छल। एहन मे अगर कतहु एहि स विपरित काज भ रहल छल त ओ हमरा सब लेल समाचार भ गेल छल।
बदलाव क आहट सब सुनि रहल छलथि, मुदा विश्‍वासक कमी सबहक कलम रोकि दैत छल। इ एकटा जुआ जेकां छल। एक टा सपना जेकां छल। आखिर भविष्‍य की होएत ओकर प्रमाणिता त समय क संग भेट सकैत अछि आ कोनो काज या योजना एक दिन मे जमीन पर नहि आबि सकैत अछि। इसमाद परिवार इ सपना देखलक आ सपना पर विश्‍वास केलक जे बिहार मे बदलाव भ रहल अछि। जेना जेना घोषणा जमीन पर उगैत गेल, इसमाद क विश्‍वसनीयता बढैत गेल। आइ हम इ कहबा लेल तैयार छी जे हम सबटा गप भविष्‍य काल मे नहि वर्तमान काल मे सेहो क रहल छी। एकटा समय एहन जरूर छल जखन मे लिखबा लेल मजबूर छलहुं जे ”होएत”, मुदा आइ ओहि स स बहुत ”भ गेल” तक पहुंच चुकल अछि। ”होएत” स ”भ गेल” तक पहुंचबाक गति जरूर मध्‍यम रहल, मुदा ओ झूठ नहि छल। सबटा सपना सच नहि भेल मुदा सपना किछु एहनो रहल जे सच भ सामने अछि। आइ बिहार क अखबार मे योजना पहिल पन्‍ना पर जगह पाबि रहल अछि। अखबारक प्रसार बढि रहल अछि। निश्चित रूप स बिहार मे केवल खून नहि बिकाइत अछि।
अपराध आ राजनीति कोनो समाजक एकटा अभिन्‍न अंग अछि। ओकर बिना कोनो समाजक कल्‍पना करब बेमानी अछि। बिहार मे सेहो अपराध आ राजनीति समाचारक महत्‍पूर्ण हिस्‍सा अछि। मुदा आजुक अखबार एकरा नजरअंदाज क रहल अछि। सरकारक पैघ स पैघ गलती बिहारक अखबार स ओहिना गायब अछि जेना पहिने सरकारक पैघ स पैघ उपलब्धि गायब छल। इसमाद समय समय पर सरकार क नीति क आलोचना करैत रहल अछि, जे आगू सेहो जारी रहत। मुदा सरकारक आलोचना क बीच ओ उपलब्‍धि कए नजर अंदाज नहि कैल जा सकैत अछि जे बिहारक समाज अर्जित क रहल अछि। औद्योगिकीकरण क मोर्चा पर छोट सन मुदा दूरगामी सफलता बिहार कए एहि साल भेट रहल अछि। इ एकटा एहन क्षेत्र अछि जाहि मे एखनो एकर गति स बेसी एकर सक्रियता पर बहस हेबाक चाहि। जाहि ठाम उद्योग लागब एकटा सपना भ गेल छल ओतहि कईटा इकाइ उत्पाद शुरू करबाक तैयारी मे आबि चुकल अछि। एहन मे कहल जा सकैत अछि जे पिछला किछु साल मे हम बिहारक ओ भविष्‍य देखेबा मे बहुत हद तक सफल भेलहुं अछि जे वर्तमान मे अहां देख रहल छी। आइ हम फेर इ दावा करबा लेल तैयार छी जे हम नहि किछु नुकबैत छी आ नहि किछु बिसरैत छी, जे बिहार कहैत अछि हमरा, समदिया बनि अहां तक पहुंचबैत छी। आशा नहि बल्कि विश्‍वास अछि जे हमरा सब कए जेना अहांक स्‍नेह भेटल ओ आगां सेहो जारी रहत। बढैत रहूं आंगा, पढैत रहू इ’समाद।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

दार्शनिक क जन्म स्थली अछि मिथिला : सिंह

अशोक पेपर मिल पर हमला, एक गोटेक मौत

Esamaad Epaper Website

बिनु बेटी क कोना होएत लक्ष्मी पूजा

Comments 1

  1. Anil Jha says:
    13 years ago

    Jabardast, Ismaad ker janmdin ker hardik shubhkmaanaa…. asha achhi isamaad ehina neek neek khabair aanait rahat…..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि