कुलपति आओर शिक्षक कए नहि लागत कोनो कर
विवि कर्मी क सकताह विदेश स सामानक नि:शुल्क आयात
नयी दिल्ली : नालंदा विश्वविद्यालय उत्कृष्ट उच्च शिक्षा क अंतरराष्ट्रीय केन्द्र क रूप मे कार्य करत आ आधुनिक, वैज्ञानिक आ प्रौद्योगिकी ज्ञान कए मूलभूत मानवीय मूल्य क संग एकीकृत क सार्वभौम मैत्री, शांति आ समृद्धि कए बढ़ावा देत। केन्द्रीय मंत्रिमंडल एहि संबंध मे विदेश मंत्रालय आ नालंदा विश्वविद्यालय क बीच एकटा समझौता क प्रस्ताव कए मंजूरी देलक। एहि समझौता स विश्वविद्यालय कए संचालन आ प्रचालन क अलावा वैश्विक प्रतिभा कए अपना संग जोड़बा क सुविधा भेटत। एहि संबंध मे एडसीआईएल जुलाई 2012 मे एकटा विस्तृत परियोजना रिपोर्ट तैयार केने छल, एकर अनुसार एकरा 2010-11 स 2021-22 क बीच लगभग 3532.62 करोड़ टका क आवश्यकता होएत। केन्द्र सरकार एकर व्यय उठाउत। समझौता क अनुसार मेजबान देश विश्वविद्यालय परिसर क रक्षा करत आ कामकाज कए सुचारु रूप स चलेबा मे मदद करत। एकर संपत्ति आय आ अन्य संपत्ति पर कोनो प्रकार क कर नहि लागत। कुलपति आ शिक्षक क दरमाहा आ अन्य भत्ता पर सेहो कोनो प्रकार क कर नहि लागत। हिनका सब कए भारत मे नौकरी क दौरान चल आ अचल संपत्ति रखबा आ विदेश स निशुल्क आयात क सुविधा भेटत। थाईलैंड मे अक्टूबर 2009 मे भेल चारिम पूर्वी एशिया शिखर बैसार क सदस्य देश संयुक्त वक्तव्य मे नालंदा विश्वविद्यालय क स्थापना क समर्थन केने छलाह। वक्तव्य मे कहल गेल अछि जे इ गैर सरकारी स्वशासी, धर्मनिरपेक्ष अंतरराष्ट्रीय संस्थान होएत, ताकि एशिया क सब देश क प्रतिभाशाली छात्र कए आकर्षित क सकत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Nalanda Viswavidyalya ken mentor groopak kriya-kalap ekhandhari bahut santoshprad nahi achhi. E samachar kichhu sukhad sanket ka rahal achhi. Dekha chahi dhanak sadupyog bha Viswavidyalayak nik vikas hoit achhi athawa mentor groopak paribhraman sab san hunak vyaktigat vikas………