• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नालंदा कए दिल्‍ली ल जेबाक मामला स अंतरजाल आओर ब्लॉग जगत मे उबाल

May 14, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। नालंदा विश्व विद्यालय कए दिल्ली अनबाक आशंका पर अंतरजाल आओर ब्लॉग जगत मे उबाल अछि। बिहार क वरिष्‍ठ पत्रकार केके सिंह जखन एहि आशंका स संबंधित खबर देलथि त फेसबुक सन सोशल साइट पर बहस क गंगा बहि गेल अछि। इसमाद सेहो एहि संबंध मे सूचना देलक जे मोतिहारीक बाद आब नालंदा क नंबर अछि। एकर बाद सोमदिन फेसबुक पर पत्रकार ज्ञनेश्वर वात्स्यायन एकटा पोस्‍ट लिखलथि जे नीतीश कए सेहो ‘तवज्‍जो’ नहि दैत छथि गोपा सब्‍बरवाल। हुनक कहब छल जे ईश्‍वर जानैत अछि नालंदा अंतर्राष्‍ट्रीय विश्‍वविद्यालय क भविष्‍य। ओना पत्रकार केके सिंह अपन ब्‍लॉग मे अगिला साल स विवि क शैक्षिक सत्र शुरु हेबाक आस जगा देलथि अछि। मुदा इ सत्र बिहार मे शुरू होएत या दिल्‍ली मे एकर जानकारी एखन ककरो लग नहि अछि। ज्ञनेश्वर वात्स्यायन क कहब अछि जे विवाद मे रहल यूनिवर्सिटी क वाइस चांसलर गोपा सब्‍बरवाल कए बिहार एबाक फुर्सत नहि अछि। शायद ओ राजगीर मे ‘फाइव स्‍टार’ क सुविधा क इंतजार मे छथि। ज्ञनेश्वर वात्स्यायन क दावा अछि जे ओ दू दिन पहिने एहि यूनिवर्सिटी क वेबसाइट www.nalandauniv.edu.in देखने छलथि। कई मास पहिने बनल एहि साइट, पर अहां देखब जे एपीजे कलाम क बिहार विधान सभा मे देल गेल भाषण स ल कए अमर्त्‍य सेन आओर गोपा सब्‍बरवाल क विचार तक भेट जाएत, मुदा नीतीश कुमार क पेज जेना क्लिक करब, संदेश भेटत- we are in the process of updating the site….(हम सब एहि साइट कए अपडेट करबा मे लागल छी)। ज्ञनेश्वर वात्स्यायन क अनुसार एकर दू टा मतलब अछि, यूनिवर्सिटी कए 450 एकड़ भूमि उपलब्‍ध करा देनिहार नीतीश कुमार या त अपन संदेश नहि देलथि अछि अथवा हुनक संदेश कए अपलोड करबा लायक नहि बुझल गेल अछि। सच की अछि इ त मैडम सब्‍बरवाल बुझतीह।
सोशल साइट पर मैडम सब्‍बरवाल क दरमाहा पर सेहो चर्चा गरम अछि। हुनक मासिक दरमाहा पांच लाख टका स बेसी अछि। इ दरमाहा देश क सर्वाधिक प्रतिष्ठित जेएनयू क वाइस चांसलर स बेसी आ दिल्‍ली यूनिवर्सिटी क वाइस चांसलर स दोगुना अछि। अक्‍तूबर,2010 स मैडम इ दरमाहा ल रहल छथि। श्री वात्स्यायन क कहब अछि जे दरमाहा कए ‘टैक्‍स फ्री’ करबाक सेहो प्रयास भेल। सोशल साइट पर इ बहस सेहो जारी अछि जे एतबा पैघ दरमाहा क बदला मे मैडम एखन धरि की उपलब्धि हासिल केलथि अछि। किछु लोक क इ सेहो कहब अछि जे मैडम क करीबी डा. अंजना शर्मा कए पिछला साल 3.30 लाख क दरमाहा पर ओएसडी नियुक्‍त करबाक कोन जरूरत छल। यूनिवर्सिटी क गवर्निंग बोर्ड क बैठक पर एखन धरि देश-विदेश मे करीब तीन करोड़ टका खर्च कैल जा चुकल अछि। ओना एहि पर अधिकतर लोक क कहब अछि जे एहि प्रकार क बैसार क अहमियत पर कोनो एतराज नहि अछि, मुदा स्‍थान पर त सवाल उठाउल जा रहल अछि।
मैडम सब्‍बरवाल किछु कहथि मुदा वेबसाइट पर दिल्‍ली क आरके पुरम स्थित किराया क मकान क महत्‍व साफ देखा रहल अछि, राजगीर या नालंदा दबा गेल या मिटा देल गेल अछि। श्री वात्स्यायन क दावा अछि जे ओ शुक्रदिन विवि क राजगीर कार्यालय मे किछु जानकारी लेल फोन केलथि, मुदा फोन कियो नहि उठेलक। नंबर छल-2255330। मैडम एखन धरि राजगीर केतबा बेर एलथि अछि इ बुझबाक सबहक इच्‍छा अछि। बहरहाल, किछु प्रश्‍न अछि, जेकर जवाब आरटीआई क माध्‍यम स यूनिवर्सिटी क मुख्‍य लोक सूचना अधिकारी एसके शर्मा स मांगबाक कोशिश कैल जा रहल अछि।
एहि बहस कए आगू बढबैत कृष्ण कुमार सिंह कहलथि जे जाहि दिन स, पूर्व राष्ट्रपति डॉ कलाम, कए विश्वविद्यालय स अलग करि देल गेल तहिए स एकर पुनर्निर्माण क अनिश्चितता उजागर भ गेल। युनिवर्सिटी क जीबी क चेयरमैन प्रो अमर्त्य सेन क मनमानी आ अड़ियल रवैये स असहमत भेलाक बाद डॉ कलाम कए युनिवर्सिटी स अलग हेबाक निर्णय सबस दुखद क्षण छल। श्री सिंह क आरोप अछि जे प्रोफेसर सेन क रूचि युनिवर्सिटी कए ज्ञान लेल कम आ शिक्षा क दलाली मे बेसी अछि। जेकर प्रमाण अछि दिल्ली युनिवर्सिटी क एकटा जूनियर रीडर रैंक क शिक्षक कए युनिवर्सिटी मे अत्यधिक वेतन पर वीसी क रूप मे मनोनयन। एहि स पूरा देश क शिक्षा जगत मे हाय तौबा मचल अछि। एकरा लेल अमर्त्य सेन मे बिहार आ बिहारी संगहि देश क तमाम शिक्षाविद कए जमि कए भला बुरा कहलथि। श्री सिंह क कहब अछि जे श्री सेन क अहंकार आ केंद्र सरकार क रवैया क कारण एहि महत्वकांक्षी विश्वविद्यालय क स्थापना क बाट पर बाधा ठार अछि। बहस मे इ गप सेहो कहल गेल जे विवादस्पद चयन क मामला जखन राज्यसभा मे उठाउल गेल त जखन विदेश मंत्री जे नालंदा युनिवर्सिटी क ग्रन्थ सम्बन्धी मामला स सेहो जुडल छथि कहला जे एहन कोनो नियुक्ति नहि भेल अछि मुदा जखन हुनका गोपा क नियुक्ति संबंधी कागजात देल गेल त ओ एहि मामला पर आइ धरि कोनो स्पष्‍टीकरण नहि देलथि अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

महापरीक्षा क आयल नतीजा

Esamaad Epaper Website

संसद मे उठल गुजरात मे बिहारी छात्र कए हत्‍याक मामला

Esamaad Epaper Website

नहि केलहुं अछि विशेष राज्‍य पर कोनो अनुशंसा : पित्रोदा

Comments 3

  1. पंकज झा. says:
    13 years ago

    दुर्भाग्यजनक होना नालंदा का कहीं और चले जाना. इससे बेहतर यही हो कि नालंदा नाम से नया कुछ बने ही नहीं. हम सब नालंदा के उन भग्नावशेषों पर ही संतोष कर लेंगे.

    Reply
  2. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    नालंदा विश्व विद्यालय कए दिल्ली अनब …………………… अतिशय निन्दनीय ओ दुर्भाग्यजनक प्रयास ।

    Reply
  3. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    Biharak sang ekta aur dhokha.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि