• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नालंदा क समतुल्‍य होएत बलिराजगढ

February 18, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

चंद्रधारी संग्रहालय कए भेटल अंतरराष्‍ट्रीय पहचान
दरभंगा/मधुबनी ।
बलिराजगढ आ नालंदा दूनू बिहार लेल महत्‍वपूर्ण अछि, दूनू पर सरकार क ध्‍यान अछि । सरकार लेल बलिराजगढ आ नालंदा समतुल्‍य अछि। इ कहब अछि मुख्‍यमंत्री क सांस्‍कृतिक सलाहकार पवन वर्मा क । दू दिनी यात्रा पर दरभंगा प्रमंडल पहंचल श्री वर्मा बलिराजगढ समेत कईटा महत्‍वपूर्ण स्‍थलक भ्रमण केलथि। श्री वर्मा कहला जे 70 क दशक मे बलिराजगढ कए पुरातत्‍व विभाग अपन अधीन केने छल, मुदा एखन धरि एकर सही प्रकार स उत्‍खनन नहि कैल गेल अछि। श्री वर्मा कहला जे अगर एकर सही प्रकार स उत्‍खनन कैल जाए त नालंदा त बड नव मिस्र क सभ्‍यता तक एकरा स पुरान नहि रहत। इ दुनिया क ज्ञात इतिहास कए बदलि सकैत अछि। ओ कहला जे मुख्‍यमंत्री खुद एहि स्‍थान क भ्रमण क चुकल छथि आ हुनक निर्देश पर ओ बलिराजगढ भ्रमण करबा लेल आयल छथि। श्री वर्मा कहला जे मिथिला क संस्‍कृति गौरवशाली रहल अछि आ एकर संरक्षण हर हाल मे कैल जाएत । मधुबनी क कईटा गाम आ स्‍थान क भ्रमण केलाक बाद श्री वर्मा दरभंगा क चंद्रधारी संग्रहालय देखबा लेल पहुंचलाह । संग्रहालय देखलाक बाद ओ कहला जे पटना संग्रहालय क बाद राज्‍य मे दोसर सबस पैघ संग्रहालय दरभंगा क चंद्रधारी संग्रहालय कए अंतरराष्‍ट्रीय पहचान देल जाएत । राज्‍य सरकार एकरा लेल प्रयास शुरू क देलक अछि । श्री वर्मा कहला जे ओ एकर ब्‍लू पिंट तैयार क मुख्‍यमंत्री लग प्रस्‍तुत करताह । श्री वर्मा कहला जे एहि संग्रहाल मे बहुत रास एहन वस्‍तु अछि जेकरा देखबा लेल देश नहि बल्कि विदेश स लोक आउत । पदभार ग्रहण केलाक बाद पहिल बेर दरभंगा आयल श्री वर्मा चंद्रधारी संगहालय कए एक एक टा वस्‍तु क गहन छानबीन केलथि । हुनक जिज्ञासा पुरान पाथर क मूर्ति मे विशेष रूप स छल । ओ बलिराजगढ स संबंधित वस्‍तु क जानकारी सेहो चाहैत दलाह। मुदा ओ इ जानि काफी दुखी भेला जे मूर्ति क दानदाता क नाम क उल्‍लेख अछि मुदा मूर्तिक संबंध मे कोनो जानकारी नहि अछि, जाहि स ओकर महत्‍व क पता नहि चलि पाबि रहल अछि । ओ राज दरभंगा क पुरान कीर्ति सब देख अचंभित भेलाह, खास क सिक्‍की स बनल ताजमहल कए ओ बेर बेर निहारलाह । क्‍यूरेटर शम्‍स अबरार हुनका इ जानकारी सेहो देलथि जे संग्रहालय मे कईटा कोठरी कई साल स बंद अछि आ ओहि बंद कोठली मे सेहो कईटा धरोहर अछि । एहि जानकारी पर आश्‍चर्य व्‍यक्‍त करैत श्री वर्मा कहला जे बंद कोठली कए यथाशीघ्र खोलेबाक प्रयास कैल जाए आ संग्रहालय मे राखल सब वस्‍तु क ढंग स प्रदर्शन करबाक व्‍यवस्‍था कैल जाए । ओ कहला जे एहि ठाम जेतबा संग्रह अछि ओ पर्यटक कए दरभंगा ऐबा लेल बाध्‍य क देत, बस जरूरत अछि एकरा सही प्रकार स प्रदर्शित कैल जाए जाहि लेल ओ एकटा ब्‍लू प्रिंट तैयार क रहल छथि । श्री वर्मा क संग पूर्व विधान पार्षद संजय झा सेहो छलाह ।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

राज पुस्‍तकालय क अंशमात्र देख अचंभित भेलाह वर्मा

Esamaad Epaper Website

छी,छी....लाट साहेब

Esamaad Epaper Website

मोदी क जिला सबस समृद्ध, सिद्दीकी क जिला नौवां स्‍थान पर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि