पटना। दरभंगा मे हवाई अड्डा रहैत आइआइटी नहि बनल, कहल गेल हवाई संपर्क नहि अछि। मोतिहारी मे छोट सन रनवे रहैत हवाई संपर्क क बहाना बना केंद्रीय विश्वविद्यालय नहि खुलल, मुदा नालंदा मे विश्वविद्यालय लेल हवाई अड्डा बना देल जाएत। जी, हां उत्तर बिहार आ दक्षिण बिहार मे किछु एहने भेदभाव केंद्र सरकार करि रहल अछि। केंद्र सरकारक एहि भेदभाव मे अपन पूर्ण समर्थन देबाक काज क रहल छथि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार। पटना, गया और नालंदा क अलाबा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए आन ठाम हवाई सेवा लेल कोनो चिंता नहि अछि। हुनका एहि गप लेल कोनो दुख नहि अछि जे उत्तर बिहार दूटा शहर कए हवाई संपर्क नहि रहबाक कारण पैघ संस्थान नहि भेटल। ओ उत्तर बिहार मे हवाई संपर्क लेल कोनो मांग तक नहि उठा रहल छथि। ओ खुश छथि किया त हुनक गृह जिला मे केंद्र हवाई अड्डा बना रहल अछि। ओ कहला अछि जे नालंदा विश्वविद्यालय परियोजना क विचारणीय बिंदु क तहत नालंदा मे हवाई अड्डा स्थापित करबा पर सहमति भ गेल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलुवालिया क अध्यक्षता मे भेल नालंदा विश्वविद्यालय क अनुश्रवण समिति क नई दिल्ली मे बैसार क दौरान भारतीय हवाई अड्डा प्राधिकरण (एयरपोर्ट ऑथॉरिटी ऑफ इंडिया) क अध्यक्ष नालंदा मे हवाई अड्डा स्थापित करबा पर सहमति द देलथि। ओ कहला नालंदा विश्वविद्यालय क परियोजना क विचारणीय बिंदु मे हवाई अडडा, सड़क आओर रेलवे क विकास क गप शामिल छल। प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह द्वारा गठित अनुश्रवण समिति क बैसार मे नालंदा मे हवाई अड्डा क स्थापना क निर्णय भेल अछि। नीतीश कहला जे आब आगू क फैसला प्राधिकरण कए करबाक अछि। ओ कहला जे विमान क परिचालन करब केंद्र क विषय अछि। एएआई पर ढीला ढाला रूख अपनेबाक आरोप लगबैत मुख्यमंत्री कहला जे प्राधिकरण बीतल सात वर्ष स ठीक स फैसला नहि करि पाबि रहल अछि। ओ पटना हवाई अड्डा क विस्तारीकरण क प्रस्ताव द कए ऐन वक्त पर मुकरि चुकल अछि। पटना हवाई अड्डा क बारे मे ओ पहिने अंतिम फैसला करि लिये फेर राज्य सरकार जमीन अधिग्रहण या कोनो प्रकार क फैसला करत। मुख्यमंत्री कहला जे प्राधिकरण कए गया क हवाई अड्डा स विमान क परिचालन क व्यावसायिक सेवा शुरू करबाक चाही। पूर्व मे इ काफी सफल भ चुकल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
Prashn anek uttar ek- Mithila Rajy, Mithila Rajy!
Prashn anek uttar ek- Mithila Rajy, Mithila Rajy!
air port at Darbhanga should be expanded as service air port.
mithila rajya is really another answer but it may take time. hence maithil should in parallel strongly demand for Air port at Darbhanga.
मिथिलाक संग भेद – भाव आब पूरा चरम पर आ अत्यधिक स्पष्ट रूपेँ ।