ब्रुनेई : नालंदा यूनिवर्सिटी कए फेर स ठार करबा लेल भारत सातटा देश संग आपसी सहमति पत्र (एमओयू) पर हस्ताक्षर केलक। एमओयू ऑस्ट्रेलिया, कंबोडिया, सिंगापुर, ब्रुनेई, न्यू जीलैंड, लाओस आ म्यांमार संग साइन कैल गेल अछि। गौरतलब अछि जे इ देश सब पहिने एहि योजना कए मदद देबा पर सहमति जतेने छल। इ समझौता पूर्वी एशियाई सम्मेलन (ईएएस) मे कैल गेल अछि। प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह सम्मेलन कए संबोधित करैत कहला जे इ परियोजना कए अपन समर्थन देनिहार देश क प्रति आभार जतेलथि। ओ कहला जे बतौर इंटरनैशनल इंस्टिट्यूट नालंदा यूनिवर्सिटी क स्थापना क उद्देश्य मे सहयोग लेल हम पूर्वी एशियाई सम्मेलन मे शामिल होईवाला देश क आभार व्यक्त करैत छी। हमरा खुशी अछि जे एहि यूनिवर्सिटी लेल एमओयू पर हस्ताक्षर करबाक प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि। यूनिवर्सिटी मे अगिला साल स अकैडमिक सेशन क शुरुआत होएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa