बीजिंग : भारत आ चीन बिहार क नालंदा जिला मे नालंदा विश्वविद्यालय स्थापित करबा लेल एकटा समझौता पर हस्ताक्षर केलक अछि। नालंदा मे विश्वविद्यालय स्थापित करबा लेल प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह आ चीन क प्रधानमंत्री ली कुचियांग क बीच बैसार क बाद विदेश सचिव सुजाता सिंह आ भारत मे चीन क राजदूत वेई वेई एकटा समझौतापत्र पर हस्ताक्षर केलथि। इ विश्वविद्यालय डिग्री, डिप्लोमा आ सर्टिफिकेट प्रदान करबा मे सक्षम होएत। समझौता क मकसद दूनू देश कए एक अकादमिक समुदाय क निर्माण मे सक्षम बनेनाइ अछि जाहि ठाम छात्र, विद्वान, शोधकर्ता आ शिक्षाविद् कए नालंदा विश्वविद्यालय कए उत्कृष्टता क अंतरराष्टीय केंद्र बनेबा मे मदद भेटत । एहि विश्वविद्यालय मे विभिन्न देश क सबस प्रतिभावान छात्र शिक्षा हासिल करताह। विश्वविद्यालय क स्थापना आ एकर संचालन लेल वित्तीय कोष क इंतजाम एकर संचालक मंडल द्वारा कैल जाएत। संचालक मंडल मे भारत आ अलग- अलग देश क प्रतिनिधि शामिल छथि। एहि मे पूर्वी एशिया सम्मेलन क भागीदार देश क पांचटा प्रतिनिधि सेहो शामिल छथि । राष्टपति एहि विश्वविद्यालय क विजिटर हेताह ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa