दरभंगा। शहरी क्षेत्र क पोखरि चिंता आखिरकार नगर निगम कए भेल। 1984 तक निगम क्षेत्र मे 500 स बेसी पोखरि छल, मुदा आइ स्थिति इ अछि जे निगम लग एहन कोनो आंकडा नहि अछि जे निगम क्षेत्र मे केतबा पोखरि अछि। निगम इ बतेबा मे सेहो असमर्थ अछि जे आखिर शहर स पोखरि कोना लापता होइत गेल। इसमाद एहि पर लगातार लोकक ध्यान दियाबैत रहल अछि। अंतत: शहरी क्षेत्र क पोखरि कए अपन अधीन अनबा लेल पार्षद क दबाव आ नगर आयुक्त क पहल कारगर साबित भेल। निगम मे पोखरि क सूची ताकल जा रहल अछि। जिलाधिकारी नर्मदेश्वर लाल द्वारा विगत 18 जून कए अधिकारी संग जिलास्तरीय बैसार मे मत्स्य पदाधिकारी कए एकरा लेल आदेशित कैल गेल। एकर बाद शहरी क्षेत्र क पोखरि सब कए निगम क हवाले करबाक प्रशासनिक तैयारी सेहो शुरू भ गेल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे शहरी इलाका क पोखरि पर अधिकार क मामला निगम क बैसार मे उठैत रहल अछि। बोर्ड पोखरिक देखरेख, सौंदर्यीकरण, छठ पर्व लेल पोखरि आ ओकर घाट क सफाई आदि पर निगम क व्यय आ शहरी क्षेत्र क भूखंड पर 2007 क अधिनियम क एक्ट 100 मे निगम क अधिकार कए स्पष्ट उल्लेख हेबाक मद्देनजर एकरा पास सेहो केलक। पिछला साल नगर आयुक्त जिला मत्स्य पदाधिकारी कए पत्र लिख कए हुनका स शहरी क्षेत्र क पोखर आ जलाशय क बंदोबस्ती पर तत्काल रोक लगेबाक निर्देश देने छलाह आ जिला प्रशासन कए सेहो एकर सूचना देने छलाह, मुदा बात नहि बनल। एहि बीच मुख्यमंत्री क सेवा यात्रा मे शामिल हेबा लेल सुपौल जा रहल नगर विकास आ आवास विभाग क प्रधान सचिव शशि शेखर शर्मा 9 मई 12 कए दरभंगा नगर निगम कार्यालय पहुंचलाह त नगर आयुक्त केवीएन सिंह एहि दिस हुनकर ध्यान दियौलथि। ओ एहि मामला क निदान करैत कहला जे ओ अपन स्तर स इ देखताह। अनुमान अछि जे शहरी क्षेत्र मे आब मात्र 60टा पोखर बचल अछि जेकर बंदोबस्ती निगम लेल आमदनी क जरिया भ सकैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper