राज्यपाल देलथि विधेयक कए मंजूरी
पटना : बिहार मे निजी विश्वविद्यालय खोलबाक बाट साफ भ गेल। राज्यपाल डा. डीवाई पाटिल बिहार निजी विश्वविद्यालय विधेयक 2013 कए मंजूरी द देलथि अछि। राजभव सूत्रक कहब अछि जे अगिला एक दू दिन मे विधेयक कए राज्य सरकार कए पठा देल जाएत। विगत 2 अप्रैल कए बिहार विधान मंडल स विधेयक कए पारित क मंजूरी लेल राजभवन पठाउल गेल छल। राज्य मे निजी विवि खोलबाक पाछु जे मूल उद्देश्य बताउल जा रहल अछि ओहि मे मुख्य रूप स निजी विश्वविद्यालय क माध्यम स उच्चतर शिक्षा मे शिक्षण, शोध, अध्यापन आ प्रशिक्षण क व्यवस्था सुनिश्चित करब अछि। संगहि बौद्धिक क्षमता क सर्वोच्च मानदंड क स्तर कए सृजित करब सेहो अछि। एकर अलावा राज्य क विद्यार्थी कए शिक्षा आ प्रशिक्षण हेतु अत्याधुनिक सुविधा उपलब्ध करेबाक प्रयास सेहो अछि। संग-संग अध्यापन आ शोध कार्य कए बढ़ावा देब सेहो। डिग्री, डिप्लोमा आ सर्टिफिकेट क स्तर राष्ट्रीय अध्यापक शिक्षा परिषद, मेडिकल काउंसिल आफ इंडिया, औषध परिषद, विश्वविद्यालय अनुदान आयोग क मानदंड क अनुकूल बनेबा लेल इ जरूरी बुझा रहल छल। आब प्रदेश मे यूनिवर्सिटी कैंपस क स्थापना, अध्ययन आ परीक्षा केन्द्र क संचालन क बढोतरी भ सकत। एहि विधेयक कए मंजूरी भेटलाक बाद संभावना व्यक्त कैल जा रहल अछि जे बिहार मे पहिल निजी विश्वविद्यालय मधुबनी मे खुलत। निजी विश्वविद्यालय क स्थापना मे जमीन क उपलब्धता अनिवार्य शर्त मे स एकटा अछि। निजी विश्वविद्यालय क स्थापना लेल इच्छुक संस्थान कए विस्तृत प्रस्ताव आ परियोजना रिपोर्ट क संग राज्य सरकार लग आवेदन क सकैत छथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa