पटना। मनरेगा राजद क पूर्व मंत्री रघुवंश प्रसाद सिंह क पैघ देन अछि आ कहल जाइत अछि जे यूपीए-2 क सरकार मनरेगा क कारण बनल। लेकिन एक दिस जतए ओ एहि सरकार मे वो शामिल नहि छथि त दोसर दिस हुनक राज्य मे एहि योजना मे लूट मचल अछि। एकटा एनजीओ बिहार मे संचालित मनरेगा पर 6 हजार करोड़ क लूट खसोट क आरोप लगा देलक अछि।
फ़र्ज़ी जॉब कार्ड आ फ़र्ज़ी मास्टर रोल क बदौलत करीब 6 हजार करोड़ क घोटाले इ आरोप ग्रामीण विकास मंत्री नीतिश मिश्र लेल भारी भ सकैत अछि। एनजीओ सेंटर फॉर इन्वायरमेंट एंड फूड सिक्योरिटी रिसर्च क कहब अछि जे योजना क क्रियान्वयन मे विभाग भारी लापरवाही केलक अछि। आरोप क गंभीरता कए देखैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकर जांचक आदेश द देलथि अछि मुदा आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव एकर सीबीआई स जांच चाहैत छथि। बिहार क भोजपुर जिला क भरौली पंचायत क टिकठी गाम क मुकुट पासवान क दर्द इ अछि जे ओकर जॉब कार्ड नंबर 40 अछि, सरकारी रजिस्टर क मुताबिक ओ 20 दिन काज केलक मुदा हिनकर नाम पर फर्जी तरीका स 42 दिन काज देखा कए निकालल गेल 5664 टका। मुकुट पासवान क कहब अछि जे दस दिन काज केलाक बावजूद ओकरा स पाँच दिन क साइन कराउल गेल आ मात्र सौ टका द कए भगा देल गेल। एहन कईटा लोक अछि जे अपन दुख मिलैत जुलैत स्वर मे कहि रहल अछि।
एहन काज केवल भोलपुर मे नहि बल्कि पूर्णिया, कटिहार, बेगूसराय, मुज़फ़्फ़रपुर, वैशाली, नालंदा, नवादा, गया आ बक्सर मे सेहो भेल अछि। बिहार मे सैंतीस मे स सत्ताइस जिला मे सर्वे एखन नहि भेल अछि। सर्वे क मुताबिक साल 2006-07 स 2011-12 क बीच 8189 करोड खर्च कैल गेल जाहि मे स 73 प्रतिशत राशि क भुगतान गलत ढंग स कैल गेल अछि आ इ राशि करीब 6000 करोड़ होइत अछि। एहि मामला स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क भ्रष्टाचारमुक्त सरकार देबाक दावा हवा भ गेल अछि, जखन कि ग्रामीण विकास मंत्री पर गंभीर सवाल ढार भ रहल अछि। ज्ञात हुए जे मनरेगा घोटाला लेल जाहि ग्रामीण विकास विभाग पर आरोप लगाउल जा रहल अछि ओकर मंत्री चारा घोटाला क अभियुक्त पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र क पुत्र नीतिश मिश्र छथि। एहन मे नीतिश क विभाग नीतीश क स्वच्छ शासन पर कालिख पोतबाक काज केलक अछि किया त एतबा गंभीर आरोप पिछला सात साल मे पहिल बेर लगाउल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna