• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नीतीश आखिर द देलथि शिक्षक कए वेतनमान

July 31, 2015
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । चुनावी वर्ष मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सनेस क पोटरी खोलि देलथि अछि। ओ नियोजित शिक्षक कए वेतनमान देबाक संगहि डॉक्टर क सेवानिवृत्ति क बैस सीमा मे सेहो दू वर्ष क बढोतरी क देलथि अछि। राज्य कैबिनेट एहि दूनू फैसलाक संगहि कुल 36टा एजेंडा कए मंजूरी द लेक अछि। मुख्यमंत्री कहला जे पंचायती राज संस्था क माध्यम स नियोजित सब प्रशिक्षित/अप्रशिक्षित, प्राथमिक, माध्यमिक, उच्च माध्यमिक विद्यालय क शिक्षक आ पुस्तकालयाध्यक्ष कए 1 जुलाई, 2015 क प्रभाव स वेतनमान देल जाएत। प्राथमिक स उच्च माध्यमिक शिक्षक कए 5200-20200 क वेतनमान भेटत। वेतनमान क संग 113 फीसदी महंगाई भत्ता आ 2000 स 2800 तक क ग्रेड पे, 200 रुपए मेडिकल आ एचआरए सेहो भेटत। नीतीश कुमार कहला जे एकरा लेल राशि आवंटित भ चुकल अछि। सरकार क फैसला स 4,05,347 शिक्षक कए लाभ होएत। सब शिक्षक आ लाइब्रेरियन यूटीआई रिटायरमेंट बेनेफिट पेंशन फंड क फायदा भेटत। अप्रशिक्षित शिक्षक कए वेतनमान त भेटत मुदा ग्रेड पे नहि भेटत। एहन शिक्षक कए प्रशिक्षित भेला पर ग्रेड पे भेटत। अप्रशिक्षित शिक्षक आ पुस्तकालयाध्यक्ष क सेवाशर्त, सेवा निरंतरता, ऐच्छिक स्थानांतरण, सेवाकालीन प्रशिक्षण, प्रोन्नति का अवसर, अनुशासनिक प्राधिकार आ अन्य सेवाशर्त क निर्धारण लेल एकटा कमेटी गठित कैल गेल अछि। इ समिति तीन माह मे अपन रिपोर्ट देत। उल्लेखनीय अछि जे बिहार मे इ एकटा पैघ राजनीतिक मुद्दा छल।

8 मार्च,13 कए तत्कालीन वित्तमंत्री सुशील मोदी एहि मसला पर कहने छलाह जे भगवान सेहो नियोजित शिक्षक कए वेतनमान नहि द सकैत छथि।  मंत्रिमंडल समन्वय सचिवालय विभाग क प्रधान सचिव शिशिर सिन्हा बैसार मे लेल गेल फैसलर क जानकारी दैत कहला जे राज्य मे सब तरह क चिकित्सक क सेवानिवृति क बैस 65 साल स बढ़ाकए 67 साल करबाक  प्रस्ताव कए मंत्रिमंडल अपन स्वीकृति प्रदान क दे अछि। एहि चिकित्सक मे आयुष, आयुर्वेद, यूनानी, तिब्बी आ होमियोपैथ चिकित्सक  शामिल छथि। मंत्रिमंडल क एहि फैसला क लाभ राज्य मे कार्यरत करीब पांच हजार चिकित्सक कए भेटत। एकर अलावा सरकार पटना मे स्थापित भ रहल साइंस सिटी क नाम पूर्व राष्ट्रपति डॉ. एपीजे अब्दुल कलाम क नाम करबाक  प्रस्ताव कए मंजूरी प्रदान केलक। संगहि किशनगंज क कृषि महाविद्यालय क नाम सेहो डॉ. कलाम क नाम पर होएत। एकर अलावा सबटा नियोजित शिक्षक, टोला सेवक, शिक्षा स्वयंसेवी, आशा कार्यकर्ता, ममता, आंगनबाड़ी सेविका, सहायिका, विद्यालय रसोईया, अनुबंध पर कार्यरत कनीय सहायक अभियंता, अनुबंध पर कार्यरत चिकित्सक, किसान सलाहकार, कृषि समन्वयक, डाटा इन्ट्री आपरेटर, कार्यपालक सहायक आ आईटी मैनेजर क सेवा अवधि क दौरान मृत्यु भेला पर ओकर निकटतम आश्रित कए चार लाख क अनुग्रह अनुदान देबाक प्रस्ताव मंजूर भेल। किसान सलाहकार क मानदेय मे दू हजार जखनकि टोला सेवक आ शिक्षा स्वयंसेवी क मानदेय मे तीन हजार क वृद्धि कैल गेल अछि। टोला सेवक आ शिक्षा स्वयंसेवी क सेवा आ सामाजिक उत्थान स संबंधित कार्यं लेल आब 60 वर्ष क आयु तक काज लेल जायत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना मे चालू भेल बिहार क सबस पैघ फ्लाइओवर

Esamaad Epaper Website

दिल्ली हाट जेकां बिहार मे सेहो पटना हाट

बिहार अंतरराष्ट्रीय संग्रहालय देख अचंभित भेल दुनिया

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि