पटना। मैट्रिक आ इंटरमीडिएट परीक्षा क कॉपी कए जांचलाक बाद बिहार बोर्ड क वेबसाइट पर राखि देल जाएत। चेक कॉपी कए परीक्षार्थी आ अभिभावक देख सकताह। परीक्षार्थी अपन कॉपी कए देखकए इ पता लगा सकैत छथि जे कोन प्रश्न क उत्तर मे हुनका केतबा नंबर प्राप्त भेल अछि। एहि स बिहार बोर्ड कए सूचना क अधिकार क तहत पूछल जा रहल सवाल स छुटकारा भेटत। इ जानकारी बिहार विद्यालय परीक्षा समिति क अध्यक्ष राजमणि प्रसाद सिंह देलथि अछि। ओ कहला जे योजना कए बिहार बोर्ड क एकेडमिक एडवाइजरी कमेटी क मंजूरी भेट चुकल अछि। आब राज्य सरकार स स्वीकृति भेटलाक बाद वर्ष 2014 स एहि योजना कए लागू क देल जाएत। ओ कहला जे 2014 स कॉपी क जांच कम्प्यूटर पर होएत। बोर्ड द्वारा प्रत्येक कॉपी क संग एकटा फारमेट संलग्न कैल जाएत। परीक्षक कए अंक कॉपी क संग संलग्न फारमेट मे प्रदान करबाक होएत। शिक्षक कए एकरा लेल कम्प्यूटर क प्रशिक्षण देल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper