उज्जवल कुमार
पटना । दू दिनक रोजगार मेला समाप्त भ गेल। दू दिन तक बेरोजगार युवक-युवती एहि मेला मे जुटलथि। धक्का खा, रौद बर्दाश्त केलथि, मुदा आवेदन जमा करि कए दम लेलथि। एहि दू दिनका मेला मे किछु गोटेक त सपना पूरा भेल आ हाथोहाथ नियुक्ति पत्र भेटल, मुदा अधिकतर आवेदक कए कंपनी आश्वासन द विदा केलक। एहन आवेदकक कहब छल जे कम स कम आश्वासन त भेटल पहिने त एतबो उम्मीद नहि छल।
3.25 लाख आवेदक आजमौलथि किस्मत
पहिल दिन 1.20 लाख गोटे निबंधन करौलथि। दोसर दिन इ संख्या 3.25 लाख पहुंच गेल। पिछला साल मात्र 80 हजार आवेदन भेल छल। रविदिन 56टा आओर कंपनी मेला मे हिस्सा लेलक। एहि बेर खास गप इ रहल जे बिहार स बाहरक लोक सेहो आवेदन देबा लेल पटना मे जमल रहलथि। जाहि मे मराठी लोकक संख्या सेहो 700क आसपास छल। ओना बाहरी राज्य मे सबस बेसी मध्यप्रदेश क आवेदन शामिल अछि। दोसर दिन लगभग 1800 लोक कए ऑन द स्पॉट नियुक्ति पत्र देलक। जाहि मे लगभग 1600 कए गार्ड आ सुपरवाइजर मे नियुक्ति पत्र भेटल अछि।
चारि लाख क पैकेज पर 29 गोटे कए नौकरी
मेला मे रिलायंस लाइफ सबस बेसी चारि लाख प्रति वर्ष क पैकेज पर 29 एमबीए प्रोफेशनल्स कए नियुक्त केलक। एकर अलावा 93 गोटे कए टोकन अप्वाइंटमेंट देल गेल, जाहि मे 62 लड़की शामिल अछि। विभिन्न क्षेत्र क एहि कंपनी सब लग आवेदन एतबा भीड़ छल जे नियुक्ति पत्र नहि बांटी सकल।
दूटा आओर रोजगार मेला नवंबर मे
एखन दूटा आओर रोजगार मेला लगबाक अछि। श्रम मंत्री अवधेश नारायण सिंह कहला जे 21 आओर 22 नवंबर कए मुजफ्फरपुर मे रोजगार मेला आयोजन । 23 नवंबर कए भागलपुर मे आयोजित होइत। समापन समारोह रोजगार निदेशक अरूण प्रसाद, बिहार चैंबर ऑफ कॉमर्स क निदेशक सत्येंद्र प्रकाश, आईटी डायरेक्टर सूर्यनारायण दास, एसएस त्रिपाठी सहित अन्य लोक मौजूद छलाह।
आखिर दिन कौन-कौन पद लेल देल गेल केतबा आवेदन
सेल्स एंड मार्केटिंग-66620
इंश्योरेंस एंड बैंकिंग-24000
डेंटल मेडिसीन-600
मैनेजमेंट-482
इंजीनियरिंग एंड टेक्नोलॉजी-1600
कंप्यूटर सॉफ्टवेयर-21000
प्रोफेशनल ट्रेड-32000
स्पिनिंग मिल-16000
सिक्यूरिटी गार्ड आ सुपरवाइजर – 22000
एजुकेशन एंड टीचिंग प्रोफेशन – 22000
लाइब्रेरेरियन – 600
कुल – दू लाख छह हजार
(सबटा आंकड़ा राउंड फिगर मे अछि)
फोटो- biharnewspix